पाँच साल स नौकरी स गायब रहै बला आठ चिकित्सक के बिहार सरकार बर्खास्त केलैन्ह.

बिहार ५ अगस्त:-पाँच साल स अपन डुइटी स दूर रहै बला चिकित्सक के बिहार सरकार बर्खास्त क देलकैन्ह, इ चिकित्सक समस्तीपुर,गया,मुंगेर,औरंगाबाद आ इमामगंज में तैनात छलाह इ सब चिकित्सक ज्वाइन त केने छलाह मुदा अपन सेवा नै दैत छलाह.
शुक्र दिन मुख्यमंत्री नितीश कुमार के अध्यक्ष्ता मे बिहार सरकार के कैबिनेट में भेल बैसार के बाद निर्णय लेल गेल.
जे जे चिकित्सक बर्खास्त कएल जेता ओहि में गया बाराचट्टी प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र के डा.नविन कुमार,मुंगेर बैजलपुर असरगंज के डा.देवेन्द्र कुमार सिंह,समस्तीपुर कमेश्वरनगर के डा.राघवेंद्र झा,रोसरा के डा.मंजुनाथ आ डा.जयश्री सिन्हा,नरहन के डा.ब्रजकिशोर प्रसाद,औरंगाबाद के गोह के डा.लीला सिन्हा आ गया के इमामगंज के डा.निखिल कुमार रहतोगी शामिल छैथ आ दोसर तरफ तत्कालीन उत्पाद अधीक्षक सुधीर कुमार झा के सेहो बर्खास्त कएल गेल.


एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ