सहरसा : विधान पार्षद नूतन सिंह केँ बनगाँव चौक पर भव्य स्वागत

सहरसा। 11 अगस्त। विधान पार्षद नूतन सिंह क' महिला एवं बाल संरक्षण समिति केर अध्यक्ष बनला पर हुनक सहरसा आगमन केर दौरान बनगाँव चौक पर भव्य स्वागत समारोह आयोजित भेल। एहि मौका पर  विधायक नीरज कुमार बबलू क' सेहो सिंडिकेट सदस्य बनला पर स्वागत कायल गेलन्हि।

समारोह क' संबोधित करैत विधान पार्षद नूतन सिंह कहली कि ओ सदिखन महिला सभक हकक लेल लड़ल छली। महिला सभक अधिकार आर सुरक्षा केँ लेल सदिखन दृढ संकल्पित छथि। आगा नूतन सिंह कहली कि देशक महिला वर्ग आगू बढ़त तखने देश सशक्त बनत। आब महिला सभ सेहो पुरूख केँ संग - संग डेग बढ़ा रहल छथि। महिला सभ हर क्षेत्र म'  नवा मुकाम हासिल क' रहल छथि। पार्षद नूतन सिंह ग्रामीण सभ केँ संबोधित करैत कहली कि जागरूक ग्रामीणे समाज क' नव दिशा द' सकैत अछि। एहि दौरान धनंजय झा उर्फ भगवान जी, चन्द्रकांत झा उफ टीपू झा, संतोष खाँ, हरिराम खाँ, गौरव मिश्रा, पुतुल खाँ, अमित झा मिस्टर, गुड्डू मिश्रा, अरुण अध्यक्ष, सौरभ, अभिनीत, कन्हैया, चंचल, मनोज मिश्र, मदन झा, सुधांशु शेखर, शंकर कुमार, गोपाल झा, बौआ चौधरी, जितेंद्र मिश्र, गुलाब खाँ सरपंच, कुंदन सम्राट, मुन्ना, कुंदन, बमबम झा, विद्याभूषण झा, विश्वजीत सिंह, राजीव कुमार सहित दर्जनों ग्रामीण उपस्थित छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने