एनएसयूआई मनेलनि हाहाकार दिवस, महिषक गर्दैन मेँ तख्ती लटका जतेलनि विरोध

सहरसा। 11 अगस्त। कैल्ह सहरसा मेँ एनएसयूआई कार्यकर्त्ता द्वारा भूपेन्द्र नारायण मंडल विश्वविद्यालय मेँ व्याप्त भ्रष्टाचार व अराजक स्थिति केर खिलाफ हाहाकार दिवस मनाओल गेल। एहि मौका पर  एनएसयूआई कार्यकर्ता सभ एमएलटी सहरसा कॉलेज परिसर मेँ महिषक गर्दैन मेँ भ्रष्ट कुलपति आर प्रशासक लिखल तख्ती टटका केँ विराध जतबैत नारेबाजी केलन्हि।

विरोध कार्यक्रमक नेतृत्व क' रहल एनएसयूआई केँ जिलाध्यक्ष सुदीप कुमार सुमन कहला कि कुलपति सहित विश्वविद्यालय कर्मी केँ धिया - पुता अप्पन जिद पर यदि एक दिन खाना नै खायत छैथ तेँ पूरा घर मेँ हाहाकार मैच जायत अछि। लेकिन एक गरीबक बेटा व छात्र नेता जखन हजारों छात्र सभक खातिर जायज वैधानिक मांग ल' केँ दस दिन सँ अनशन पर बैसल छैथ तेँ विश्वविद्यालय प्रशासन चैनक नींद सुतल अछि।

अपने केँ बता दी बीएड प्रवेश परीक्षा केँ परिणामक जांच, एकेडमिक कैलेंडर लागू करब, दस बरख सँ बेसी समेत सँ कार्यतअधिकारी व कर्मचारि सभक तबादलाक मांग संगे दस सूत्री मांग ल' केँ एनएसयूआई केँ प्रदेश महासचिव मनीष कुमार आर एआईएसएफ नेता हर्षव‌र्द्धन राठौर पिछ्ला 1 अगस्त सँ भूपेन्द्र नारायण मंडल विश्वविद्यालय परिसर मेँ अनशन बैसल छैथ।

भूपेन्द्र नारायण मंडल विश्वविद्यालय प्रशासन केँ खिलाफ हाहाकार दिवस मनेबाक मौका पर अशोक कुमार, गौरव गुप्ता, विराज कश्यप, विकास पिंटू, आशीष बाबूल, गोलू कुमार, गौरव कुमार, घनश्याम, साकेत, वरूण, विशाल, लक्की ,सुधीर संगे बहुत रास छात्र मौजूद छलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ