~~~~~~~~~
देश आजादिक सेनानी के शत शत करी नमन
हुनकहि कुर्वानी पर आइ सबटा रमन चमन ।
फाँसी चढ़िकय वीर भगत सिंह शहीदक छथि निशान
चंद्रशेखर आजाद पूजै छी बुझि हुनक बलिदान।
गाँधी के लाठी मे छै अखनो कतेक चमक
नेताजी दय देने रहथि ताही दिन धमक
पूत हजारो भारत माँ पर जान केलनि कुर्वान
देश आजादिक सेनानी के शत शत करी नमन
जलियावाला बाग मचल छल जाहि दिन कोहराम
एहि लोक पर की गुजरल से जानथि सीता राम
फाँर बान्हिकय अड़ल रहला रहीमक संगे राम
ताही बल पर अखनो देशक सब आबाम
देशक आजादीक सेनानी के शत शत करी नमन ।।
- मणिकांत झा, दरभंगा
१४अगस्त २०१६
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।