भाई - बहिनक रिश्ता भेल शर्मसार, भाई द्वारा कायल गेल बहिन संग दुष्कर्मक प्रयास

नालंदा। 9 अगस्त। नालंदा जिला केँ रहुई थाना इलाका म' भाई - बहिनक  पवित्र रिश्ता केँ तार-तार करबाक घटना सामना आयल अछि। जानकारी केर मुताबिक़ चचेरा भाई द्वारा नाबालिग बहिनक संग दुष्कर्मक करबाक प्रयास कायल गेल। संगहि, विरोध करला पर हुनक बेरहमी सँ पिटाई सेहो कायल गेल।

बताओल जे रहल अछि कि पीड़िता अप्पन चचेरी बहिन संग मंदिर सँ पूजा करि लौटैत छली। एहि दरमियान हुनका हुनक बहिन अप्पन घर ल गेलीह। घर पहुँचलाक बाद पीड़िता केँ चचेरा भाई पीड़ित केँ घर म' बंद करि    दुष्कर्मक करबाक प्रयास केलन्हि। विरोध करला पर पीड़िता  केँ बेरहमी सँ पिटल गेल।

अप्पन इज्जत बचेबाक लेल पीड़िता जोर - जोर सँ मदद लेल चिकरलीह। पीड़िताक चिकरब सुइन हुनकर चाची आर गामक लोग सब आइब हुनकर इज्जत बचेलन्हि।

आरोपी भाई मौक़ा सँ भागवा मेँ सफल भेलाह। एहि मामला मेँ पीड़िता केँ बयान पर पुलिस मामला दर्ज करि आरोपी भाई केँ तलास क' रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने