पूर्व मुखिया के घर पर डकैती


मधुबनी : 1 अगस्त : मधुबनी में डकैत सब एक पूर्व मुखिया के घर के निशाना बनेलक, घटना जिला के झंझारपुर भैरवस्थान स्थित रैयाम गांव के अछि.
गांव में हथियारबंद अपराधि पूर्व मुखिया झलकी देवी के घर पर डकैती कैल्क, एही दौरान डकैत मार पिट करि क' पांच लाख के सामान आर नगदी सेहो लूटी लेलक . डकैत के पिटाई सs घायल मुखिया पति अग्निदेव पासवान गंभीर रूप सs घायल भ गैल छैथ , हुनका इलाज़ के लेल  झंझारपुर अनुमंडलीय अस्पताल में भर्ती करैल गेल अछि .
डकैती के दौरान पूर्व मुखिया के दुनु बेटि के साथ सेहो डकैत मारपीट कैल्क, एही घटना के सूचना भैरवस्थान पुलिस के देल गेल . पुलिस जांच के बाद एही मामल के आपसी विवाद में मारपीट के घटना बता रहल अछि .  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ