खगड़िया : 1 अगस्त : खगड़िया-समस्तीपुर रेल खंड पर सलोना इमली रेलवे स्टेशन के समीप एक मानवरहित रेले क्रासिंग पर गुजैर रहल एक सवारी ट्रेन के चपेट में आबिक एक ट्रैक्टर चालक के रविवार के मौत भ गेल .
खगड़िया रेलवे स्टेशन स्थित रेलवे सुरक्षा बल चौकी के निरीक्षक प्रेम शंकर शर्मा कहला कि मानवरहित रेल क्रासिंग संख्या 22 पर भेल एही हादसा में मृतक ट्रैक्टर चालक की तत्काल पहचान नै भ पैल अछि.
प्रेम शंकर शर्मा कहला कि उक्त ट्रैक्टर ओहि समय सवारी ट्रेन के चपेट में आबि गेल, जखन वो मानवरहित रेल क्रासिंग संख्या 22 सs गुजरी रहल छल , ताहि समय ओहिठाम सs अचानक एक सवारी ट्रेन के गुजरस' ट्रैक्टर ओहि के चपेट में आबि गेल आर चालक के घटनास्थल पर ही मौत भ गेल .
प्रेम शंकर शर्मा कहला कि हादसा के बाद स्थानीय ग्रामीण रेल क्रासिंग संख्या 22 के मानव सहित बनाबे के मांग लक उक्त रेल पटरी के करीब आधा घंटा तक जाम रखला जेकि बाद में राजकीय रेल पुलिस एवं आरपीएफ के समझाबा पर समाप्त भेल .
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।