छपरा सांप्रदायिक हिंसा : बीजेपी विधायक सी.एन.गुप्ता केँ भूमिकाक जांच शुरू

पटना। 12 अगस्त। बिहार पुलिस सारण जिला मेँ भेल सांप्रदायिक हिंसा केँ मामला म' बीजेपी विधायक केँ संलिप्तताक जांच शुरू क' देलन्हि। सारण जिला केँ पुलिस अधीक्षक पंकज कुमार राज कहला कि एहि मामला म' भाजपा विधायक सी.एन.गुप्ता केँ संलिप्तताक जांच भ' रहल अछि।

पंकज कुमार राज कहला कि हम गुप्ता केँ भूमिकाक जांच क' रहल छी। जांच पूरा भेलाक बादे हुनका खिलाफ कार्रवाई कायल जायत।

एक न्यूज चैनल द्वारा मंगलवार दिन एक वीडियो जारी कायल गेल छल, जाहि मेँ गुप्ता क' विश्व हिंदू परिषद (विहिप) आर बजरंग दल केँ तरफ सँ  आहूत बंद केर दौरान सारण जिला मुख्यालय छपरा म' परंपरागत हथिया सभ सँ लैस कुछ लोग सभक अगुवाई करैत देखाओल गेलन्हि। एहि बंद केर आयोजन प्रशासन दिस सँ निषेधाज्ञा लागू केलाक बावजूद कायल गेल छल।

कांग्रेस विधायक शकील अहमद खान कहला कि लोग सभ सँ सांप्रदायिक सद्भाव व शांति बनेना रखबाक अपील करबाक बदला गुप्ता छपरा म' बजरंग दल आर विहिप समर्थक भीड़ केँ अगुवाई केलनि, जाहि कारण सँ हिंसा भेल। अल्पसंख्यक समूह केँ सदस्य सभक घर आर दोकान पर हमला कायल गेल।

शकील अहमद खान कहला कि ई साफ अछि जे  गुप्ता निषेधाज्ञा केँ उल्लंघन केलाह आर लोग सभ केँ भरकेलाह, जाहि कारण सँ सांप्रदायिक तनाव उत्पन्न भेल। आगा ओ कहला कि राज्य प्रशासन क' सख्त डेग उठेबाक चाही आर सांप्रदायिक सद्भाव क' एक सशक्त संदेश देबाक चाही।

छपरा केँ किछ सामाजिक कार्यकर्ता सभ सेहो सांप्रदायिक तनाव केँ लेल  गुप्ता क' जिम्मेदार ठहरौलनि। ओ सभ कहला कि गुप्ता पिछले कैको दशक सँ आरएसएस आर विहिप व बजरंग दल जेहेन किछ आन हिंदुत्ववादी संगठन सभ सँ संबंध राखैत छैथ। भाजपा विधायक सी.एन.गुप्ता एहि हिंसा मेँ कुनू तरहक संलिप्तता सँ इनकार केलाह। खबर केँ मुताबिक़, सारण म' स्थिति आबनियंत्रण मेँ अछि, लेकिन तनाव बरकरार देखल गेल।

>> एहि सांप्रदायिक हिंसा केँ विस्तृत जानकारी लेल एहिठाम क्लिक करि <<

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ