रक्षाबंधन पर नीतीश केँ महिला सभ क' तोहफ़ा, आब मातृत्व अवकास 26 सप्ताह भेटत

पटना। 12 अगस्त। कैल्ह गुरुवार दिन राज्यसभा म' प्रसूति अवकाश विधेयक पारित भ' गेल। एहि विधेयक म' निजी कंपनि सभक महिला क्रमचारि सभ केँ 26 सप्ताह तक मातृत्व अवकास देबाक प्रावधान अछि। आब प्रसूति महिल सभ क' साढ़े छह महिना केँ छुट्टी भेटत।

जाहि मेँ प्रसव सँ पूर्व 8 सप्ताह केँ छुट्टी देल जायत। एहि तरहक सुविधा सरकारी महिला क्रमचारि सभ केँ पहिने सँ भेट रहल छैन्ह, मुदा नबका विधेयक पारित भेला सँ एहि सुविधाक लाभ आब निजी कंपनि सभक महिला कर्मचारी सेहो ल' पेतिह। नबका विधेयक म' 50 सँ ऊपर बला क्रमचारि केँ संसथान म' शिशु कक्ष केर  व्यवस्था रखनाय संगहि महिला क्रमचारि सभ केँ अप्पन बच्चा सँ दिन भरी मेँ 4 बेर भेंट करे देब अनिवार्य कायल गेल अछि।

ओना तेँ विपक्ष द्वारा 30 कर्मचारि बला संस्था केँ लेल ऐहिक मांग कायल गेल छल। ई नियोक्ता केर  जिम्मेदारी होयत की ओ महिला क्रमचारि सभ केँ एहि नबका अधिनियम केँ जानकारी दैथ आर हुनका प्रसूति अवकाश आर लाभ सभक बारे म' बतबैथ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ