पटना। 8 अगस्त। आजुक ज़माना मेँ यदि कियो भूतक चर्चा करे तँ बहुत कम लोग विश्वास करता। बहुत लोगक मानब छैन्ह एहि विज्ञान केर युग मेँ कुनु भूत नै होयत छैक ई सिर्फ मोनक वहम होयत अछि। मुदा पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल सँ भूत ल'के हैरान कराइ बला मामला सामना आयल अछि।
पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल मेँ भूत! सुनी केँ कियो भी हैरान भ' जेता, बात छैहे हैरान करे बला। मुदा भूत के ल'के पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल परिसर मेँ दहशत केर माहौल अछि। सभ तरफ एकहि चर्चा अछि भूत सँ कोना निजात भेंटे। लाख बुझेबाक बादो कियो मानबाक लेल तैयार नै छैथ कि भूत नै होयत अछि। पीएमसीएच केँ स्टाफ क्वार्टर म' रहे बला लोग ख़ौप केर जिनगी बिता रहल छैथ।
कैको दिन सँ हुनका सभक घर चूल्हा नै जरल छैन्ह। बैसार पर बैसार भ' रहल अछि। ओझा-गुणी सभ केँ बजेबाक तैयारी भ' रहल अछि। स्टाफ क्वार्टर केँ सभ लोग डर सँ एक जगह एकत्रित भ' जेल छैथ।
पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल मेँ कर्मचारि सभ केँ रहबाक लेल स्टाफ क्वार्टर बनाओल गेल अछि। कैको परिवार एहि क्वार्टर मेँ रहैत छैथ। लेकिन किछ घटना एहेन घटल कि लोग सभ मेँ दहशत पैदा भ' गेल छैन्ह, आर हुनका सभक मोन मेँ भूतक भ्रम बैस गेल छैन्ह। लोग सभक कहब छैन्ह कि पिछले चारि साल मेँ चारि लोगक मौत भेल छैन्ह। मौतक सभ घटना छत केँ ऊपर घटल अछि।
पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल केँ स्टाफ क्वार्टर म' कैल्ह रविवार दिन किछ एहेन नजारा देखल गेल। हर तरफ भूत ल'के चर्चा चलैत छल। एहि बीच एक घर सँ एक लड़की क' घसीटैत बाहर आनल गेल। कहल जायत छल की ओहि लड़की केर ऊपर भूत सवार छल। लड़की केँ मुंह सँ कोयला केर राख जेहेन पदार्थ निकलैत छल। लोग सभ लड़की के केश पकैड़ हुनका हुनका संग मैर - पीट करैत छल ताकि भूत भाईग जाय। लोग सभ सँ पुछला पर सभ इये कहलनि कि पीएमसीएच मेँ भूतक निवास अछि।
स्टाफ क्वार्टर मेँ रहिरहल रीता देवी केँ कहब छैन्ह कि पिछ्ला किछ दिन पहिने हुनकर 14 बरख केँ बेटीक मौत छत सँ गिरी केँ भेलन्हि। रीता देवी आगा कहली कि किछ दिन पहिने स्टाफ क्वार्टर मेँ एक लड़का स्कूल सँ अएलाक बाद बाथरुम मेँ स्नान करबाक लेल गेल छल आर हुनकर मौत सेहो बाथरुम मेँ फांसी लगा केँ भेल छल। रीता देवी आश्चर्य व्यक्त करैत कहली कि ओ लड़का झरना तक नै पहुंच सकैत छल फेर फांसी कोना लगौलनि। रीता देवी कहली सभ केँ सभ घटना दुपहर केर समय दुइ बजे सँ चारि बजे केँ बीच घटित भेल अछि। पिछ्ला चारि बरख में एहेन चारि घटना घटि चुकल अछि। रीता देवी इयो कहली कि कैंपस मेँ घरक भीतर पिछ्ला दुइ दिन सँ दुइ लड़कि क' भूत परेशान क रहल छैन्ह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।