पटना। 26 अगस्त। बिहार म' बाढ़ि सँ आठ आर लोगक जान जेबाक खबर अछि। एहि मैत केँ संग राज्य म' मरै बलाक संख्या 37 भ' गेल अछि। जाहि मेँ सभ सँ बेसी 12 मौत भोजपुर जिला मेँ भेल अछि।
बिहार म' गंगा, सोन, पुनपुन, घाघरा, कोसी आर आन नदि सभ मेँ पैनक स्तर बढला सँ आयल बाढ़ि म'12 जिलाक 1,934 गाम केँ 31.33 लाख लोग प्रभावित भेल अछि। प्रभावित जिला मेँ बक्सर, भोजपुर, पटना, सारण, मुंगेर, वैशाली, बेगूसराय, समस्तीपुर, लखीसराय, खगड़िया, भागलपुर आर कटिहार शामिल अछि। एक आधिकारिक विज्ञप्ति म' बताओल गेल अछि कि 3.44 लाख लोग क' बचाओल गेल अछि। 433 शिविरक व्यवस्था कायल गेल अछि, जाहि मेँ 1.74 लाख लोग सभ केँ शरण देल गेल अछि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बाढ़ि सँ प्रभावित लोग लेल लगाओल गेल राहत कैंप केँ दौरा केलनि आर राहत व्यवस्था ठीक नै होयबाक कारण अधिकारि सभ पर खूब तमसेलनि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।