दिल्ली। 26 अगस्त। सेना द्वारा अप्पन सेवारत आर रिटायर भ' चुकल कर्मि सभ केँ चेताओल गेल अछि कि बिहार आबैत घरी ऐता शराब आनब सख्त मना अछि। ई डेग सेना दिस से तखन उठाओल गेल जखन शराबबंदी कानून केँ पालन क' रहल राज्य मेँ किछ सैन्य कर्मी एहि पाबंदी केर उल्लंघन करैत पाओल गेलथि।
प्राप्त सूचनाक मुताबिक कैंटीन सर्विस डायरेक्टोरेट द्वारा सभ आर्मी कमांड हेडक्वार्टर क' पाती भेजल गेल अछि। जाहि मेँ लिखल अछि कि 'बिहार सँ गुजरैत या ऐता आबैत घरी किछ सैन्य कर्मी शराब के संग पकड़ल गेल छथि। एहि संबंध म' सभ सेवारत आर रिटायर भ' चुकल सैन्य कर्मि सभ केँ सलाह देल जायत अछि कि बिहार आबैत या एहिठाम सँ गुजरैत घरी संग म' शराब ल केँ चलब सख्त मना अछि।
अपने केँ बता दी कि एहि बरख अप्रैल म' नीतीश कुमार सरकार द्वारा बिहार म' शराबबंदी कानून लागू कायल गेल, जाहिक फलस्वरूप एता शराब पीयब आर बेचब पूर्ण रुपे प्रतिबन्ध अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।