गुरुजीक क्लास मेँ छात्र बनी बैसला मंत्रीजी, गणित आर हिंदी पढ़लाह

बक्सर। 12 जुलाई। बिहार केर शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी शिक्षा केर गुणवत्ता देखबाक लेल खुद स्कूल पहुंच गेलाह। मंत्रीजी क्लास म' मंत्री नै एक छात्रक हैसियत सँ बैसलाह। क्लास म' मास्टर बच्चा सभ क' पढबैत छलाह आर मंत्रीजी एक छात्र जोका बैस क' सब सुनैत छलाह।

बिहार म' शिक्षा व्यवस्था केर 'डर्टी पिक्चर' हर दिन मीडिया म' आबैत रहैत अछि। किछ दिन पहिने बक्सर जिला केर स्कूल म' ओहिठामक डीएम निरीक्षण करबाक लेल पहुँचल छलाह। क्लास म' उपस्थित प्रिसिंपल नमस्कार तक नै लिख पायल छल। एहि जिलाक एक स्कूल म' शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी पहुंचला। स्कूल पहुंचैते ओ सीधा क्लास म' बच्चा सभक बिच बैस गेलाह।

अशोक चौधरी केर स्कूल पहुँचते हड़कंप मैच गेल छल। मंत्री डिहरी स्थित 10+2 स्कूल केर  पांचवी घंटीमेँ  नौवीं कक्षा म' गणित आर दसवीं कक्षा म' हिंदी केर पढ़ाई बच्चा सभक बिच बैस के केलाह। पढ़ाई क' संतोषप्रद देख शिक्षा मंत्री स्कूल सँ निकैल चैल देलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ