कड़ा सुरक्षाक संग बिहार लोक सेवा आयोग परीक्षा सुरु भेल

पटना।  8 जुलाई।  बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) केर 56वां  सँ 59वां  मुख्य परीक्षा कड़ा सुरक्षा केर बीच से सुरु भेल। आयोग केर सचिव प्रभात कुमार सिन्हा कहला कि पहिल बेर 14 सुपर जोनल मजिस्ट्रेट बनाओल गेल अछि, जे परीक्षा केंद्र केर निरीक्षण करी आयोग क' हर दिन  रिपोर्ट देत।

प्रभात कुमार सिन्हा कहला कि परीक्षा म' करीब 25 हजार परीक्षार्थी शामिल भेल अछि। जाहिक लेल पटना म' 40 परीक्षा केंद्र बनाओल गेल अछि।  746 पदक लेल मुख्य परीक्षा 30 जुलाई तक चलत। ऐहिक लेल  सुरक्षा के चाक-चौबंद इंतजाम कायल गेल अछि। परीक्षा केंद्र पर बिना एडमिट कार्ड के छात्र सभक प्रवेश वर्जित। शिक्षक सभ के सेहो अप्पन पहचान पत्र के संग प्रवेश भेटत।

मुख्य परीक्षा केर बाद दिसंबर तक कॉपि सभक मूल्यांकन क' लेल जायत आर मार्च, 2017 तक इंटरव्यू केर प्रक्रिया सेहो पूरा क' लेल जायत।

प्रभात कुमार सिन्हा कहला कि कियो भी छात्र या छात्र नेता परीक्षा म' बाधा डालता तेँ हुनका पर कड़ा कार्रवाई कायल जायत। अपने के बता दी  कि बीपीएससी मेंस केर परीक्षाक  तिथि बढ़बाक ल'के बिहार म' छात्र आर  छात्रा सभ पिछले कैको दिन सँ आंदोलनरत क' रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ