मधुबनी। 9 जुलाई। मैथिल ब्राह्मणक ऐतिहासिक वैवाहिक सभा कैल्ह सँ मधुबनी जिलाक सौराठ सभा गाछी म' आरंभ भेल। बिहार सरकार केर मंत्री डा. मदन मोहन झा फीता काटि कय एकर उद्घाटन केलाह। मुख्य अतिथि कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के कुलपति डा. देवनारायण झा छलाह। जीवछ झाक अध्यक्षता मे आयोजित एहि समारोह म' अनेक वक्ता अपन विचार रखलाह।
सौराठ सभा केर हरायल अस्मिता क' बचेबाक लेल एहि बेर बहुत रास संगठन द्वारा एक मास पहिने सँ पूरा तैयारी कायल गेल। सभ के उम्मीद अछि अय बेर सभा गाछी म' खूब भीड़ जुटत। भीड़ जुटेबाक लेल संयुक्त रूप सँ सौराठ सभा विकास समिति, अखिल भारतीय मिथिला राज्य जन जनसंघर्ष समिति, मैथिल ब्राह्मण समाज, ब्राह्मण महासभा सहित कैको संगठन द्वारा पहिने सँ बैठक, जन संपर्क, रथ यात्रा, मोटरसाइकिल रैली आदि सभक माध्यम सँ मिथिलांचल म' भ्रमण करी लोग सभ के अएबाक लेल कहल गेल छल।
मैथिल ब्राह्मणक ई ऐतिहासिक धरोहर आर मिथिलांचलक गौरव विश्व प्रसिद्ध सौराठ सभा अगामी 14 जुलाई तक चलत।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।