
पटना 24 जुलाई:-देश के जानल मानल समाजिक कार्य करय बला आ बंधुआ मजदूर के मुक्ति करैक लेल अभियान चलबै बला स्वामी अग्निवेश आई रवी दिन जदयू के सदस्यता लेलैन्ह आ मद्यनिषेध आंदोलन के राष्ट्रव्यापी बनबै के संकल्प लेला आ एही सदस्यता ग्रहण करै के समय में पार्टी के राष्ट्रीय आ सदस्यता अभियान प्रभारी अरुण कुमार श्रीवास्तव,राष्ट्रीय महासचिव श्याम रजक,राष्ट्रीय चुनाव अधिकारी अनिल हेगड़े सेहो मौजूद छलाह,एही मौका पर स्वामी अग्निवेश असंगठित मजदुर के न्यूनतम मजदूरी संग समाजिक सुरक्षा के सुनिश्चित केनाइ आ मद्यनिषेध के राष्ट्रव्यापी बनबैक संकल्प दोहरेलैन्ह.
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।