
पुलिस दुआरा गिरफ्तार सब अपराधी सुपौल जिलाक जदिया थाना के छैथ जाहि में लालू यादव,अजय कुमार यादव,प्रमोद पोद्दार,छोटू कुमार यादव,प्रमोद मेहता,मुकेश यादव,चन्दन कुमार सरदार आ अन्य छलाह, गितफ्तार अपराधी स गहन पूछताछ के बाद थानाध्यक्ष मुकेश कुमार साह बतेलैन्ह जे ब्रहस्पति दिन रातुक गश्ती के समय में सुचना भेटल जे अड़रारहा गाऊँ में कोनो बरका घटना के अंजाम देबैक लेल किछु अपराधी बाहर स आयल अइछ आ योजना बना रहल अइछ, सुचना भेटैत देरी टाइगर मोबाइल के जबान दिगविजय दिनकर,संजय कुमार आ चौकीदार दिनेश कुमार के साथे गाम पहुँच क सुचना के आधार पर छापा मारलैन्ह आ अपराध के योजना बनबैत अपराधी के रंगे हाथ पकैर लेलैन्ह आ बतेलैन्ह जे पुलिस के देखैत देरी अपराधी हथियार तैन क ठाढ़ भ गेला आ धमकी दैत छल मुदा पुलिस बड़ा चालाकी स सब अपराधी के पकैर लेलैन्ह नै त कोनो बरका घटना के अंजाम देल जाइत पुलिस पूछताछ में एक बात आर निकैल क आइल जे अड़रारहा गाऊँ के दू टा सहोदर भाई चंद्रनारायन यादव उर्फ भुमी यादव आ सूर्यनारायन यादव के बिच बहुत दिन सं जमीन जायदाद के लड़ाई चलैत छल ओहि लेल सूर्यनारायन यादव उर्फ भुमी यादव एही अपराधी के अपराध के अंजाम देबैक लेल बजेने छलाह लेकिन सब पकरेला जाहि स घटना हेबै स बचल.
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।