सुल्तानगंज : 17 जुलाई: श्रावणी मेला यानि देवघर जाई बला के व्यबस्था के लेल आईजी केर अध्यक्षता में उच्चस्तरीय बैसार आई भेल जाहि में कांवरियां के लेल बेहतर सुरक्षा के लेल रणनीति बनल आ आईजी सुशिल खोपड़े के ई बैसार डाकबंगला में भेल आ निर्णय लेल गेल जे पूरा दुनियां में आतंक फैलल अइछ ओहि लेल असमाजिक तत्व पर बिसेष निगरानी राखल जेत आ ओहि लेल प्रसाशन पूरा तैयारी केने छैथ आ कहलैन्ह जे काँवरियां के पूरा सुरक्षा देल जेत, महिला के लेल महिला पुलिस सेहो तत्पर रहती आ रेलवे परिषर सं ल क कांवरियां के बिश्रामस्थल स रास्ता आ बाबा बैद्यनाथ मंदिर तक पुलिस के पूरा निगरानी रहत आ बिजली ब्यबस्था सेहो चौबीस घण्टा प्रदान कएल जेत।।
पीएचडी के अभियंता प्रमुख संगहि सचिव दिनेश्वर प्रसाद सिंह शैन दिन दुपहर बाद जा निरिक्षण केलैन्ह आ ओतय के सुबिधा के बारे में जानकारी लैत बतेलैन्ह जे पेयजल,शौचालय,झरना सब के सुबिधा पूरा चुस्त दुरूस्त अइछ आ सब स अपील केलैन्ह जे आसपास साफ सफाई बना क राखी जाहि स किनको कोनो समश्या नै होइन्ह आ गंदगी स दूर रही जाहि स स्वास्थ्य सेहो ठीक रहत आ आर कोनो अशुबिधा हेत ओकरा पूर्ण रूप स सुबिधनुसार सब चीज के ब्यबस्था कैल जेतै।।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।