
दयाशंकर सिंह के लोकेशन लगातार बाहर भेट रहल छल ओहि लेल प्रदेश में या प्रदेश स बाहर हुनक गिरफ्तारी के लेल पूरा कोशिश कएल जा रहल छल आ दलजीत चौधरी बतेलैन्ह बतेलैन्ह जे इ पूरा ऑपरेशन लखनऊ के वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक आ एसटीएफ के एसएसपी के नेतृत्व में भेल अइछ.
मायावती के अनुसार कोर्ट के सख्ती स भेल गिरफ्तारी.
एही बिच बसपा अध्यक्ष मायावती दयाशंकर सिंह के गिरफ्तारी के उच्च न्यायलय के सख्ती के नतीजा बतबैत कहली जे प्रदेश पुलिस के पहिने दिन स दयाशंकर सिंह के ठिकाना के पूरा जानकारी छलै लेकिन सपा आ भाजपा के मिली भगत के कारन दयाशंकर सिंह के बचेल जा रहल छलै.
गिरफ्तारी नै भेला स सरकार पर उठी रहल छल सबाल
दयाशंकर सिंह के गिरफ्तारी नै भेला स राज्य सरकार पूरा तरह स घिर गेल छल आ बसपा ओहि पर भाजपा स मिली भगत के आरोप लगा रहल छल आ उमहर भाजपा सेहो बसपा के मदद करबाक आरोप लगा रहल छल.
दयाशंकर सिंह बसपा प्रमुखक अभद्र टिप्पणी के बाद अपन खिलाप मुकदमा दर्ज केबाक चुनौती उच्च न्यायलय में देने छलाह ओ एही मामला में अपन गिरफ्तारी पर रोक लगबैक लेल मुदा अदालत एही सिलसिला में कोनो राहत नै देलक.
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।