इ छैथ पटनाक भिखारी पप्पू , हिनकर आधा दर्जन बैंक खाता मेँ करोड़ों टक्का जमा.....

पटना। 30 जुलाई। इ छैथ पप्पू। हिनकर आधा दर्जन बैंक खाता मेँ करोड़ों टक्का जमा छैन्ह। अचल संपत्ति केँ गप करि तेँ पटना मेँ दुइ जगह जमीन छैन्ह। हिनकर व्यावसाय बुझी कियो भी हैरान भ' जेताह। पप्पू पटना केँ एक भिखारी छैथ। जे पटना जंक्शन पर सदिखन देखल जायत छैथ।

पुलिस पड़ताल मेँ एहि करोड़पति भिखारी केँ पास पंजाब नेशनल बैंक, स्टेट बैंक, बैंक ऑफ बड़ौदा आर इलाहाबाद बैंक केर एटीएम भेटल। जांच मेँ पता चलल  कि हिनकर सभ खाता मिला केँ करीब सवा करोड़ टक्का जमा अछि।

पप्पू केँ अनुसार, किछ बरख पहिने हुनकर बाबूजी पढ़बाक लेल डांटने छलखिन। जाहि सँ नाराज भ' पप्पू घर छोइर मुंबई चल देलाह। एक दिन मुंबई मेँ ट्रेन सँ सफर करबाक दरमियान ओ गिर परला, हुनका अस्पताल मेँ भर्ती होबा पड़लन्हि। एहि दरमियान हुनकर सभ पाई ख़त्म भ' गेलन्हि।

पप्पूक अनुसार मजबूरी मेँ एक दिन ओ मुंबई रेलवे स्टेशन पर भीख मांगला जाहि सँ हुनका खूब पैसा भेटलन्हि। पहिले दिन हुनका भीख मेँ  पांच सौ टक्का भेटलन्हि जाहि सँ ओ भरी पेट भोजन केलाह। अगला दिन फेर ओहि जगह पर आइब बैस रहला एहिबेर हुनका सात सौ टक्का भीख भेटलन्हि।

मुंबई मेँ भीख मांगला सँ जखन मोट रकम जमा भ' गेलन्हि पप्पू पटना आइब अप्पन भीख मांगे केर व्यावसाय शुरू केलाह। अपने केँ बता दी पप्पू विवाहित छैथ आर हुनकर बेटा शहर केँ नामी इंग्लिश मीडियम स्कूल मेँ पढ़ी रहल अछि। पप्पू अप्पन बेटा केँ पैघ आदमी बनबे चाहैत छैथ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ