आब घर - घर तक गंगाजल पहुंचायत डाक विभाग

पटना। 11 जुलाई। आब जल्दे अपने  देशक सभ डाकघर सँ गंगाजल किन सकैत छी, संगहि यदि अपने चाहि तेँ डाक विभाग अपनेक घर तक गंगाजल पहुंचायत। केंद्रीय मंत्री रविशंकर प्रसाद आर मनोज सिन्हा  रविवार दिन एक नव योजनाक शुभारंभ केलाह, जाहिके तहत देशक सभ डाकघर पर गंगाजल उपलब्ध होयत आर डाक विभाग गंगाजल क' घर - घर तक पहुंचायत।

केंद्रीय मंत्री रविशंकर प्रसाद एहि अवसर पर कहला कि अाब गंगोत्री आर  ऋषिकेश सँ आनल गेल गंगाजल देशक सभ डाकघर पर उपलब्ध होयत। प्रसाद जी कहला कि ई गोजना कुनु व्यापार नै बल्कि लोग क' एक दोसर सँ जोरबाक प्रयास थीक।

मनोज सिन्हा कहला कि बिहार केर सुल्तानगंज म' गंगा केर जल स्वच्छ भ' जायत तेँ  डाक विभाग  सुल्तानगंज स' गंगाजल ल'के ओकरा घर-घर तक पहुंचायत। मनोज सिन्हा कहला कि एखन सिर्फ गंगोत्री आर ऋषिकेश स' लेल गेल गंगाजल क' डाक विभाग देशक हर हिस्सा म' घर - घर तक पहुंचायत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ