अजब प्रेमक गजब कहानी, 70 बरख केर दुल्हन आर 30 बरखक दूल्हा

मुजफ्फरपुर। 11 जुलाई। मुजफ्फरपुर जिला केर  हत्था गाम म' एक 30 बरखक युवक द्वारा 70 बरखक विधवा सँ प्रेम विवाह करि सभकेँ चौंका देना अछि। अपने के बता दी कि हत्था गाम निवासी विजय, गामक  चौक पर पानक दोकान चलबैत छैथ। जहि विधवा सँ बियाह भेल ओ पानक दोकान केर बगल म' चाय केर दोकान चलबैत छथि। दुनु म' पहिने दोस्ती भेल जे बाद म' प्यार म' बदैल गेल।

दुनु के प्यार कहिया मर्यादाक सीमा लांघलक दुनु म' किनको पता नै। अपने क' बता दी युवक शादीशुदा आर दुई बच्चा केर बाप छैथ तेँ महिला  नाती पोता वाली। गामक लोग सभ दुनु क' आपत्तिजनक हालत म' पकरलक जाहि पर खूब बबाल भेल। गामक लोग सभ पंचायत बजेलाह, पंचायत द्वारा फैसला सुनबैत दुनु केर बियाह करा देल गेल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने