भारतीय वायुसेना केँ AN32 विमान लापता, 29 लोग छलथि सवार, पनडुब्बी सेहो हेराई मेँ जुटल

दिल्ली। 23 जुलाई। भारतीय वायुसेना केँ AN32 विमान लापता बताओल जे रहल अछि। इ विमान कैल्ह भोर 8.30 बजे चेन्नई सँ पोर्ट ब्लेयर जेबाक लेल उड़ान भरने छल। प्लेन म' 29 लोग सवार छलथि। भारतीय वायुसेना, नौसेना आर  तटरक्षक बल द्वारा व्यापक खोज एवं बचाव अभियान शुरू कायल गेल अछि, जाहि मेँ एक पनडुब्बी, आठ विमान आर 13 पोत लगाओल गेल अछि।

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक 23 हज़ार फुट ऊपर सँ एकाएक प्लेनक ऊंचाई म' कमी आयल। एहि मेँ भारतीय वायुसेना केर 12 जवान, 6 क्रू-मेंबर, 1 नौसैनिक, 1 सेनाक जवान आर एकही परिवार केँ 8 सदस्य मौजूद छल। भारतीय वायुसेना केँ AN32 विमान चेन्नई के पास तंबारम एयरबेस सेँ कैल्ह भोर 8.30 बजे पोर्ट ब्लेयर लेल रवाना भेल छल। प्लेन केँ भोरे 11.15 के करीब पोर्ट ब्लेयर लैंड करबनाक छल जे नै केलक।

भारतीय वायुसेना प्रमुख  लापता विमानक बारे मेँ रक्षामंत्री मनोहर पर्रिकर से जानकारी साझा केलनि। रक्षामंत्री मनोहर पर्रिकर कहला कि  लापता विमान आर ओहि मेँ सवार कर्मि सभक पता लगेबाक लेल हर संभव प्रयश कायल जे रहल अछि। फिलहाल विमानक खोज आर राहतक लेल वायुसेना आर नौसेना केँ विमान लगाओल गेल अछि। एक पी-8-आई आर एक डोर्नियर क' बंगाल केँ खाड़ी मेँ भेजल गेल अछि। प्लेन मेँ एक एमरजेंसी बेकन लोकेटर अछि, जे  क्रैश होयबाक स्थिति म' सक्रिय भ' जायत अछि। नौसेना  एक पनडुब्बी क' लोकेटेर द्वारा पैनक भीतर भेल कुनू तरहक ट्रांसमिशन केँ जांच लेल भेजना अछि।

अधिकारी सभ द्वारा भेटल जानकारी केर मुताबिक एयरक्राफ्ट सँ आखिरी बातचीत टेकऑफ के 16 मिनट बाद भेल छल आर पायलट कहलनि कि सबकिछ 'सामान्य' अछि। 13 युद्धपोत जाहि मेँ करमुख, घड़ियाल, ज्योति आर कूथर शामिल अछि, एहि सभ केँ अभियान मेँ लगा देल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ