
बेगुसराय 22 जुलाई:-बिहार के बेगुसारय जिला के खोदावंदपुर थानाक छेत्र में पूर्व राज्य मंत्री बैधनाथ सहनिक बेटी बिधबा संगीता देवी के ससुराल बला पाथर स हमला क जान सं मैर देलखिन्ह, पुलिस अधीक्षक रंजीत मिश्र बतेलैन्ह जे समस्तीपुर निवासी पूर्व मंत्री सहनिक बेटी संगीता के शादी बारा गावँ के संतोष सहनी स वर्ष 200 में भेल छलै लेकिन दुर्भाग्य बश संतोष के नवंबर में कोनो गंभीर बीमारी के कारन मृत्यु भ गेलै आ तहिये स संगीता देविक सम्पत्ती हरपै कारन रोज लराई आ झगड़ा कएल जाइत छलै आ ओहि लेल संगीता देवी के पत्थर स हमला क देल गेलै, हमला के बाद ग्रामीण हुनका नजदीक के अस्पताल में भर्ती करेलकैन्ह मुदा इलाज के दौरान हुनक मृत्यु भ गेल, ओकर बाद पूर्व मन्त्री सहनी आई सम्बंधित थाना में सम्पत्ति हरपै के नियत स हत्या करै के आरोप लगबैत संगीता के ससुर बिनो सहनी सहित पाँच आदमी पर मुकदमा दर्ज करबेलैन्ह आ पुलिस तुरत कार्यवाही करैत तिन आदमी के गिरफ्तार क क पूछताछ क रहला अइछ.
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।