पटना : 29 जून : राज्य में बैढ रहल अपराधिक घटना के मद्दनेजर बिहारक पुलिस सबहक निशाना पर अछि . आब रेप पीड़ितक नाम सार्वजनिक करे के मामला में बिहार पुलिस फंस गेल अछि . बिहार पुलिस रेप पीड़िता के नाम सोशल मीडिया फेसबुक पर सार्वजनिक क देलक.
सोशल मीडिया एक्टिविस्ट शुभ्रस्था शिखा के जवाब देबे के क्रम में बिहार पुलिस सs चूक भ गेल आ मोतिहारीक रेप पीड़िता के नाम आ पता आधिकारिक फेसबुक पेज पर सार्वजनिक क देलक .
दरअसल, बिहार में महिला पर भ रहल अपराध के लेल शुभ्रस्था शिखा सीएम नीतीश के खुला पत्र लिखने छलि . मूल रूप स नीतीश के ही गृह जिला नालंदाक रह वाली शुभ्रस्था शिखा सोशल मिडिया ऐक्टिविस्ट छैथ आर असम चुनाव में बीजेपी स जुड़ल रहैथ .
शुभ्रस्था बिहार में महिला सब पर भ रहल हालिया घटना पर नीतीश सरकार के घेरली त सीएम नीतीश सेहो एही के गंभीरता स लैत अधिकारि स जवाब देबैक लेल कहला .
बिहार पुलिस एही कोशिश में आधिकारिक फेसबुक पेज पर शुभ्रस्था के पत्रक जवाब देलक. एही जवाब में भेल पएग चूक सामने आएल . एही पोस्ट के देखैते बिहार पुलिसक किरकिरी शुरू भ गेल . आनन-फानन में बिहार पुलिस ओहि फेसबुक अकाउंट सs पीड़ित के नाम हटा देलक .
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।