आय विदेश सभ म' राजदूत छैथ, बिहार शिक्षा बोर्ड के ई छह गोट पुरनका टॉपर..

08 जून। संयोग देखू। जाहि समय बिहार शिक्षा बोर्ड एहि सालक टॉपर सभक प्रतिभा केर फेर सँ परखैत छल, ओहि समय पटना म' एहि बोर्ड के छह गोट पुरनका टॉपर प्रदेशक तरक्की के राह हेरैत छलाह। बहरीन, कोलंबिया, यूक्रेन, सेनेगल, अर्जेंटीना आर नामीबिया म' भारत के राजदूत बिहार के रहनिहार छैथ।  हुनका सभक बात - चित सँ पता चलल जे ओ सब बहुत दुःखी छलाह बॉडी।।।




– बोर्ड आर टॉपर के साख पर बट्‌टा लगबै एहेन सवाल पर डिप्लोमेटिक सभ जवाब देलखिन।
– बाजलाह - हम बिहारक तरक्की चाहैत छी। मुदा, हुनका सभक भाव सँ बुझायल सब बहुत दुःखी छैथ।
– संयोग : बिहार के रहनिहार आर बिहार बोर्ड सँ  पासआउट छह गोटा आईएफएस प्रदेश केर दौर पर आयल छैथ।

इ सभ छैथ बिहार शिक्षा बोर्ड केर पूर्व टॉपर

मनोज कुमार भारती – यूक्रेन म' भारत के राजदूत छैथ। मधुबनी के बेनीपट्‌टी खेरहा के छैथ। पढाई नेतरहाट सँ  केलाह। टॉपर छलाह। आईआईटी कानपुर से बीटेक केलाह आर फेर आईआईटी दिल्ली सँ एमटेक केलाह।

प्रभात कुमार – मुजफ्फरपुर के बखड़ा-गोबिंदपुर के छैथ कोलंबिया म' भारत के राजदूत छैथ। सेंट माइकल, पटना सँ पढाई केलाह। टॉपर रहल छैथ।

संजीव रंजन – अर्जेंटीना म' राजदूत छैथ। गया के नाजरथ सँ पढ़ाई भेल छैन्ह। सेंट माइकल, पटना  सँ 12वीं केलाह। डीयू सँ ग्रेजुएशन केलाह। बाद म' आइएफएस बनलैथ।

राजीव कुमार – सेनेगल में भारत के राजदूत छैथ। सीतामढ़ी के रहिवासी छैथ।

आलोक कुमार सिन्हा – बहरीन में भारत के राजदूत छैथ।

कुमार तुहीन – नामीबिया में भारत के उच्चायुक्त छैथ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ