कोसी, कमलाक जलस्तर बढ़ल, पूरा बिहार म' बाढ़ि केर डर

झंझारपुर। 21 जून।  पिछला किछ दिन सँ नेपाल म' भ रहल भारी बारिश के कारन सँ बिहारक सभ नदिक जलस्तर लगातार बढ़ल जे रहल अछि। नेपाल के जल अधिग्रहण क्षेत्र के क्षमता सँ बेसी जलस्तर केर बढलाक बाद नेपाल द्वारा पैन छोरला से झंझारपुर सहित आस-पास केर गाम म' बाढ़िक खतरा बढि गेल अछि।

झंझारपुर सँ सटल कलमा नदी उफान पर अछि, कलमा नदी अप्पन खतरा के निशान 50 मीटर सँ 0.5 नीचा चैल रहल अछि। पिछले दिन कमला के जलस्तर 49.05 रिकॉर्ड कायल गेल छल। ओतहिए कोशी सेहो अप्पन ऊफान पर अछि,  जाहि सँ दरभंगा सहित मधेपुरा, पूर्णिया, भागलपुर आर कटिहार म' सेहो बाईढ़  डर बनल अछि।

दोसर तरफ गंगा नदी के सेहो जलस्तर लगातार बढ़ी रहल अछि। गंगा नदीक जलस्तर बढ़ला सँ पटना के हाथीदह आर भागलपुर के कहलगांव म' बाढ़िक खतरा बढ़ी गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ