अाब हर पंचायत क' सालाना 1 करोड़ सं बेसी के राशि खर्च करबाक लेल भेटत

पटना। 17 जून। नीतीश कैबिनेट द्वारा शिक्षा, स्वास्थ्य, नल, गली पक्कीकरण समेत बहुत रास योजना सभक लेल अप्पन खजाना खोलल गेल। एक घंटा चलल कैबिनेटक बैठक, निम्न मद म' 27 हजार 663 करोड़ टक्का के स्वीकृति देल गेल।

स्वीकृत राशि म' 9,026 करोड़ शिक्षा लेल, 2351 करोड़ समाजिक कल्याण लेल, 636 करोड़ योजना विकास विभाग लेल, हेल्थ विभाग क' 1400 करोड़ अार  सीएम के निश्चय नली गलीक पक्कीकरण क' 14 हजार 250 करोड़ टक्का शामिल अछि।  हर पंचायत क' सालाना 1 करोड़ सं बेसी के राशि खर्च करबाक लेल देल जायत। कैल्ह गुरुवार दीन कैबिनेट के बैठक म' कुल 41 एजेंडा पर मोहर लागल।

कैबिनेट के बैठक म' विधानमंडल केर मौनसून सत्र बजेबाक औपबंधिक सहमति द' दी देल गेल।  विधानसभा के तेसर सत्र अार विधान परिषद के 183 बैठक 29 जुलाई सं  4 अगस्त तक चलत, एही दरमियांन कुल 5 बैठक होयत।  कैबिनेटक बैठक म' एजुकेशन लोन अार हेल्थ लोन लेनिहार सभ के  राहत देल गेल। लोन पर लगाई बला स्टैम्प ड्यूटी क' 3 फीसदी सं घटा के 1 फीसदी क' देल गेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ