एमरीक
पूजा जोड़ पकरने छै
गाम गाम
मैयाकेँ पसारने छै
एक दोसरामे
होड़ छैक लागल
सभक बुद्धिकेँ
के आबि जकरने छै
पाठ माइकसँ
छकरैत आँखि मुनि सभ
अपन घरक
माएकेँ तँ बिसरने छै
एक कोणमे
छथि चूप मूर्त मैया
लोक नाच
गाजा भाँग दकरने छै
'मनु' किछो जँ बाजल आँखि खोलि कनिको
लोक ओकरेपर
गाल छकरने छै
(मात्राक्रम :२१-२१-२२/२१-२१-२२)
© जगदानन्दझा 'मनु'
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।