सुनू-सुनू गमकए )2 आइ पूरी पकनमा
बड़ अजगुत भेल ) 2 गौरा तोर अँगनमा
सुनू-सुनू गमकए ) 2 आइ पूरी पकनमा
गौरा के एलह आइ तोर अँगनमा ) 2
देखू-देखू गमकए आइ पूरी पकनमा ) 2
कोन दिस गौरा आइ ) 2 उगलाह सूरज
कि बिसरल हम तोर अँगनमा
बड़ अजगुत भेल ) 2 गौरा तोर अँगनमा
सुनू-सुनू गमकए ) 2 आइ पूरी पकनमा
सुनू सखी सुनू-सुनू )2
नहि अहाँ बिसरल, आइ हमर अँगनमा
ओ नहि गमकए ) 2 आइ पूरी पकनमा
लएलाह भोला आइ)2 भाँगक पुआ
देलकन्हि हुनकर मनु भक्त दूलरुआ
ओकरे जे रखिते ) 2 एलहुँ हे अहाँ
आकरे ई गमक छी हे सखी सुनूने
बड़ अजगुत भेल ) 2 गौरा तोर अँगनमा
सुनू-सुनू गमकए ) 2 आइ पूरी पकनमा
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।