फोंफ काटि रहल सरकार
              (हास्य 
कविता)
रंग विरंगक डिग्री 
डिप्लोमा लेने
रोड पर घूमि रहल युवक 
बेकार
देशक कर्ता-धर्ता 
चुप्पी लधने छथि 
आ फोंफ काटि रहल 
सरकार।
बुनियादी शिक्षाक दरस 
एक्को मिसिया ने
खाली किताबी ज्ञान देल 
गेल छैक
आ परीक्षा पास कए 
डिग्री लेने 
घूमि रहल अछि युवक 
बेरोजगार।
ओकरा नहि कोनो 
लुड़ि-भास
तोतारंटत आ परीक्षा 
पास
बेबहारिक जिनगी मे फेल 
भ गेल
कियो भूखले मरै अहाँ 
के कोन काज।
परीक्षा प्रणाली आ 
पाठ्यक्रम एहेन किएक
अहिं फरिछा के कहू औ 
सरकार
फुसियाँहिक डिग्री 
डिप्लोपा कोन काजक
कतेक लोक एखनो अछि 
बेकार।
कुर्सी पर बैसल छी त 
कोना बुझहब
कि होइत छैक लाचारी आ 
बेकारी
रोजगारक अवसर बंद 
केलियै
कतेक बढ़ि गेल अछि 
बेरोजगारी।
अहिंक पैरवी पैगाम सँ
अलूइड़ लोक सभ के नोकरी 
भेट गेल
मुदा मेहनत क पढ़निहार 
सभ
पक्षपात नीति दुआरे 
बेकार भ गेल।
दू टा पद दू लाख आवेदन 
कर्ता
एकटा पद मंत्री कोटा 
सँ
विज्ञापन पूर्व फिक्स 
भेल अछि
बिधपुरौआ परीक्षा टा 
करौताह।
मेहनत क ईमानदारी सँ
लिखित परीक्षा पास क 
लेब
मुदा इंटरव्यू मे अहाँ 
के 
तेरह डिबिया तेल 
जरतौह।
ईमानदारी पर अड़ल रहब 
कारीगर
त इंटरव्यू मे कैंची 
चलत
योग्यता रहैतो अहाँ भ 
जाएब बेकार
मुदा फोंफ काटि रहल 
सरकार।।       http://kishankarigar.blogspot.com
samyik rachna achi......achcha laagal.
जवाब देंहटाएंSnehi pathak lokain apnek aabhar.......
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।