
श्रीमती सुभद्रा देवी आ श्री हीरानंद ठाकुरक द्वितीय बालक श्री लल्लन प्रसाद ठाकुरक जन्म ५फरवरि १९५१, नरकनिवारण चतुर्दशी कs मुंगेर मेभेल छलैन्ह।हिनक ग्राम- समौल,जिला-मधुबनी, आ कर्म स्थली जमशेदपुर छैन्ह। स्कूल-वॉट्सन हायर सेकेंडरी स्कूल ,कॉलेज -एम .आई .टी मुजफ्फरपुर।
स्कूली शिक्षा मधुबनिक वॉट्सन स्कूल सs केलाक बाद मुजफ्फरपुर इंजीनियरिंग कॉलेज सs सिविल इंजीनियरिंग केलाह। नेन पनि सs हिनक अभिरुचि कला आ साहित्य कs प्रति रहलैंह आ अनेको कार्यक्रम मेभाग लैत रहलाह। अपनहीं लिखल नाटकक मंचन ओ अपन स्कूले सs करैत रहलाह।
कॉलेज कs पहिले बरख मेअपन कॉलेजक सांस्कृतिक कार्यक्रमक भार हिनका दs देल गेलैंह। कॉलेजक द्वितीय बरख सs लs कs अन्तिम बरख तक अपन कॉलेजक छात्र संघक जेनेरल सेक्रेटरी रहलाह।
कॉलेजक पढ़ाई पूर्ण भेला पर टाटा स्टील मेकार्यरत भेलाह। ऑफिसक व्यस्तताक बावजूद ओ अपन साहित्यिक गतिविधि कs आगू बढ़ाबति रहलाह। ओ सदिखन अपने लिखल नाटकक मंचन करैत छलाह आ ओहि मेहुनक मुख्यभूमिका रहैत छलैन्ह। प्रकाश झा कs फ़िल्म "कथा माधोपुर की "मेमुख्य भुमिका सेहो केने छथि। हुनक लिखल सब नाटक मिथांचल मेअखैनो खेलायल जायत छैक।
हुनक लिखल किछु प्रसिद्ध मैथिलि नाटक छैन्ह:
१ - बडका साहेब
२ - मिस्टर निलो काका
३ - लोंगिया मिरचाई
४ - बकलेल
५ - आदि वा अंत
लल्लन प्रसाद ठाकुर जी मैथिलि मे अनेको नाटक संग कैयक टा गीत आ कव्वाली लिखने छथि जाहि मे सs हुनकर लिखल एकटा गीत नाटिका अत्यन्त लोकप्रिय भेलैंह, इ तीन भाग में छैक। : १- घटकैती, २ - सभागाछी , ३- साढूनामा। ओकर लिंक हम अपन अहि ब्लॉग में दs रहल छी। लिंक:
www।lallanprasadthakur.blogspot.com/
एही बेर सs हिनक लिखल पहिल मैथिलि नाटक "बडका साहेब" " रांची विश्वविद्यालय" में मैथिलिक बी.ए. (hounors) में पढ़ाई होयत।
एहि प्रस्तुतिक लेल धन्यवाद कुसुमजी।
जवाब देंहटाएंlalan jik vishay me nik jankari, hunkar rachna punah pathakak sojha aybak chahi
जवाब देंहटाएंuttam prastuti, hunka vishay me pahi ber sunlahu. hunkar natak ker bahut sankshipt ansh ahank blog par achhi, muda jatbi achhi nik lagal
जवाब देंहटाएंnik lagal padhi kay
जवाब देंहटाएंlalan jeek doo got natak dekhbak saubhagya prapt bhel achhi kolkata me, baklel aa laungiya mirchai,hinak natak ati sarthak aa prerak achhi.
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।