चुनाव-चक्र -रूपेश कुमार झा 'त्योंथ'

नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ
रहत ओतय मंच साजल, संगहि दू -चारिटा माइक लागल
बीच ठाम ओ अपने बैसता, चमचा बैसत कात रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
उजरा कुरता-धोती पहिरने , सौंसे मुंह मे पान गलोठने
जाति- पाति कें हम नहि मानी बजता नेता माइक पकड़ने
झोड़ा ल' ले , झंता ल' ले , शीघ्र धो मुंह -हाथ रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
विपक्षी कें चोर कहैत अपना कें ओ साउध बतौता
गरैज -गरैज क' ओ पॉँच वर्षक घटना सुनौता
हमरा - तोरा समझ मे नहि अओंतौ कोनो बात रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ।
भाषण खाहे खराप लगौ वा लगौ तोरा नीमन
देता नगदी नरायण जाहि सं कीनब किछु तरकारी - तीमन
टोपी देता , गमछा देता आ देता गंजी साथ रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
आगां नारा बजता नेता , पाछां - पाछां जनता बाजत
उपर बला कें बिसरि सब , हुनके देवता मानत
वादा करता जाओं ओ जीतता , देता कम्बल -खाट रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
चिकरि- चिकरि जहन ओ थकता , भरी गिलास पानि गटकता
नाक - मुंह चमका - चमका क' अपन चुनावी चिह्न देखओता
अपन चुनावी नारा बाजि ओ जोडि लेता हाथ रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
एहन प्रलोभन कें बूते निश्चय जीत जेता ओ नेता
कुर्सी पबिते ओ सब मिलिक' देश - जनता कें लूटि - लूटि खेता
जनता पीटैत रहि जायत फेरो पॉँच साल माथ रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।

6 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. नीक सामयिक प्रस्तुति। मुदा नेतो तँ समाजे सँ अबैत छथि।

    जवाब देंहटाएं
  2. neek

    चिकरि- चिकरि जहन ओ थकता , भरी गिलास पानि गटकता
    नाक - मुंह चमका - चमका क' अपन चुनावी चिह्न देखओता
    अपन चुनावी नारा बाजि ओ जोडि लेता हाथ रौ
    नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
    एहन प्रलोभन कें बूते निश्चय जीत जेता ओ नेता
    कुर्सी पबिते ओ सब मिलिक' देश - जनता कें लूटि - लूटि खेता
    जनता पीटैत रहि जायत फेरो पॉँच साल माथ रौ
    नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने