मैथिल रंग बरसे (यू.एस. मे मैथिलक होली) - विद्या मिश्र



हमर सभक एहि बेरक होली हमर घरमे मनाओल गेल...25-30 टा परिवार रहथि। सभ मैथिल रहथि जाहिमे प्रोफेसर हरिमोहन झाक नाति आ डॉ. रमा झाक पुत्र प्रतीक झा सेहो रहथि, ओ हमरा सभक न्ईक मित्र सेहो छथि। हमर सभक प्रयास रहैत अछि पाबनि-तिहारकेँ पारम्परिक रूपमे मनेबाक जाहिसँ अगिला पीढ़ीक बच्चा एकर अनुकरण कए सकए, अनुभव क’ सकए आ अर्थ बुझि सकए।
पछिला साल सभ बच्चा सभ अपन लिखल नाटक हिरण्यकश्यप/ होलिकाक मंचन कएने रहथि। कमसँ कम हुनकासभकेँ होली पाबनि कोना आ किएक मनाओल जाइत अछि तकर पूर्ण ज्ञान छन्हि। किएक हम सभ रंग लगबैत छी आ गरा मिलै,प्त छी, पारम्परिक खानपान आ होली गीत..सभटा।
मैथिल लोकनि भाग लेबाक लेल न्यू जर्सी, विर्जिनिया, वासिंगटन डी.सी आ मेरीलेण्ड सँ अएलाह, से 4-5 गोट स्टेट्स मैथिल रहथि। एहि बेर सभसँ नीक उत्तर प्रतियोगिता रहए, सर्वोत्तम ड्रेस-समन्वय आ पार्सल देबाक प्रतियोगिता रहए आ एहि सभमे मिथिला संस्कृतिसँ सम्बन्धित गहन प्रश्न रहए।सर्वोत्तम उत्तरक लेल हम सभटा उत्तर पढ़लहुँ आ तखन वोट देलहुँ??? सभ गोटे एहि अवसरक लेल बड्ड उत्साहित रहथि आ एहि अवसरक प्रति उत्सुक सेहो। एतए यू.एस.ए. मे बसंतक छुट्टी रहैत अछि से स्कूल कॉलेजक बच्चा सभ अएलाह आ एहि पारम्परिक होली उत्सवमे भाग लेलन्हि...आ हुनका ई एतेक नीक लगलन्हि जे अगिला बरिख सेहो एहिमे सम्मिलित होएबाक सोचलन्हि.... आ अंतिममे होलीक आशीर्वचन हमर लिखल।

11 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. usa ke maithil holi te apne sabh jeka achhi,
    aano function ke report regular pathayab se aasha achhi

    जवाब देंहटाएं
  2. baah baah amerikaa mein maithil loknik holee, suni aa dekh ka mon aanand bha gel.

    जवाब देंहटाएं
  3. Khushi Bhel Je aha sab Bidesh me rahiyo ka apan sansakriti sa Judal chi. Ona Ota Rahanihar Sab gote jan ektham Jamma bha ka Holi matre nae aan aan pabain seho kari ta nik . Aha ota ke Gatibidhi sab Ahina Dait rahab. Dhanyabad

    jitumaithil@gmail.com

    जवाब देंहटाएं
  4. परदेश में देशक त्येाहार, बर निक लागल,
    हमर नबका ब्लाँग अहीं सब परदेशी बंधु के स्म्रपित अैछ, ब्लाँग आबु आर अपन-अपन बिचार देल जाए।
    ब्लाँगः http://matribhumimithila.blogspot.com/

    एक टा मैथिल,
    अमित कुमार झा "गेापाल"

    जवाब देंहटाएं
  5. Hum sab apan parivar aa Desh sa bahut door chi.....par koshish karaichi ki apan sanskriti aa apan dharohar ke bacha ka aa sanwar ka raakhi !!!
    Apan dost sab ke apan parivar buijh ka , sab sukh dukh saath aa sab ke jaroorat pada par sahayta karai chi .
    Sabta paiban tyohar , hum sab milka baient lene chi , HOLI humar jimma main aich , Jaldiye ahaan sabh ke USA MAITHILS CELEBRATION !!! ke updates bhetat .
    Ona hum sab 6th June , saturday ka MITHILS CRICKET TOURNAMENT / PICNIC ayojit ka rahal chi .....
    Ummed aich je 80/100 Maithils parivaar jutat .

    Hummar maithili writing otek nik nai aich , aa humar guru , humar saus rahaith ....o aab jibait nai chiath , ta truti lel chama !!!!
    Koshish karab ki ahaan sab sa seekhi .....
    Dhanyawad .....GAJENDRA JI !!!!

    जवाब देंहटाएं
  6. परदेश में देशक त्येाहार, बर निक लागल,

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने