मधुबनीमे मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक परिषद गठन कएल गेल अछि । बी एम कलेज रहिकाक प्राचार्य डा सुरेन्द्र लाल दासक अध्यक्षतामे स्थानीय बाबु साहेब डयोढी स्थित प्राचार्य डा कुलधारी सिंहक आवासपर भेल बैसारमे परिषद गठन कएल गेल । एहि परिषदक संरक्षक प्राचार्य डा कुलधारी सिंहके बनाओल गेल अछि । परिषदक अध्यक्ष प्राचार्य डा सुरेन्द्र लाल दास, उपाध्यक्ष डा नरेश मोहन झा, सचिव भोगेन्द्र मिश्र, संयुक्त सचिव अनिल कुमार ठाकुर आ कोषाध्यक्षमा दिलीप कुमार झा चयन भेल छैथ । एहिके अतिरिक्त कार्यकारिणी सदस्यमें जीवछ ठाकुर,प्रो भोगेन्द्र झा, हेमचन्द्र झा, श्यामानन्द मिश्र, ललन कुमार झा, डा हमेश चन्द्र चौधरी, प्रो देवनारायण झा आ डा दमन कुमार छैथ। कार्यक्रममे भाकपा नेता भोगेन्द्र झा तथा शिक्षाविद जयकान्त मिश्रक निधनपर शोक व्यक्त कएल गेल ।
सांस्कृतिक परिषद गठन
Jitendra Jha
6
nik prastuti, muda 3-4 samachhar ke ek ber saptahik aadhar par ditahu te sabh ke suvidha hoitanhi
जवाब देंहटाएंमैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक परिषदक गठन निक काज मुदा मात्र कर्ण कायस्थक आ ब्राह्मणक संगठन बुझि परै ये मैथिलक नहि।
जवाब देंहटाएंsangathanak kaarya me ee shamil hebag chahi je maithilik prati sabha varg jatik anurag hoy
जवाब देंहटाएंअजय जी सत्य कहलनि । एखनहु किछु लोक एहि भ्रम सँ ग्रस्त छथि जे मैथिल माने मैथिल ब्राह्मण वा कर्ण कायस्थ । प्रासंगिक अछि जे बहुतो एहन मैथिल ब्राह्मण आओर कर्ण कायस्थ छथि जे मिथिला संस्कृति आ खास क क मैथिल भाषा स परहेज रखनाइ अपन शान बुझैत छथि । हमरा मतानुसार ओ सब कियो मैथिल थिकाह, जे मिथिला क्षेत्र में निवास करै छथि, मिथिला संस्कार के अपनेने छथि आ जे मैथिली बजै छथि, चाहे ओ कोनो जाति वा वर्गक कियाक नहि होथि। आ जिनका मैथिली बजै में लाज होई छनि... ओ मात्र ब्राह्मण थिकाह, मैथिल नहि ।
जवाब देंहटाएंसूचनाक लेल धन्यवाद।
जवाब देंहटाएंबहुत नीक प्रस्तुति।
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।