विष्णुके भेटलनि विष्णु भगवान !

खेतसं निकलल प्राचीन मूर्ति
जितेन्द झा

जनकपुर (नेपाल ) । जनकपुरमे भगवान विष्णुक प्राचीन मूर्ति निकलल अछि । कारी रंगके पत्थरसं बनल ई मुर्ति तीन फ़िट लम्बा आ डेढ फ़िट चौडा अछि । 50 किलो वजनके कलात्मक एहि मूर्तिसंगहि आओर दुगोट मूर्ति सेहो निकलल अछि । जनकपुर वार्ड नं 15 रामपुर स्थित बिजय चौधरीक खेत खनिरहल अबस्थामे विष्णु मण्डल मूर्ति भेटलनि । एखन मूर्तिके जनकपुर वार्ड नम्बर 12 स्थित कुपे·ारनाथ महादेव मन्दिरक दक्षिण भागमे स्थापना कएल गेल अछि । मूर्ति दर्शनबास्ते मन्दिरमे श्रद्वालुक भीड लागल अछि ।

जनकपुरक राम स्वरुप रामसागर बहुमुखी क्याम्पसक प्राध्यापक जगन्नाथ झा मुर्तिक स्वरुप 14 म् शताब्दिमे निर्मित सिम्रौनगढक कलासं प्रभावित रहल कहलनि । मूर्तिक आवश्यक अनुसन्धान तत्काल शुरु करबाक आवश्यकता रहल झा कहलनि । मूर्ति सुरक्षा लेल मन्दिरक सुरक्षा व्यवस्था मजबुत कएल गेल स्थानीय प्रशासन जनौलक अछि । मूर्तिक वास्तविकता सम्बन्धमे अनुसन्धान भरहल धनूषाक प्रहरी उपरीक्षक (एस पी ) यादवराज खनाल बतौलनि ।

6 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने