बहादुरगंजक लोककथा-तीन मूड़ी बला लोक- उमेश कुमार महतो "वियोगी"




बहादुरगंजक लोककथा-तीन मूड़ी बला लोक

एकटा राजा रहए। ओकरा एकटा बेटा रहए। ओकर राजपाट खूब शांति सँ चलैत रहए। राजा जखन बीमार भेलए तँ बेटाकेँ कहलकए।
१.फी कोरमे सीरा खाइले।
२.द्वारपर हाथी बन्हबा कऽ राखय ले। ३.वैर भाव नहीं राखए ले। ४.बाहर निकलैपर छाँवमे रहबा ले।
राजकुमार एकर अर्थ नहि बुझि पेलक। राजा मरि गेलैक।
राजकुमार राजा बनि गेल।
पिताजीक गपपर ओ अमल करए लागल।
१.फी कोरमे सीरा खेबाक मतलब ओ बुझलकै जे सभ दिन खस्सी कटबा कए सीरा खेनाइ आ बचला मासु नोकर सभ के देनाइ आ ओ सैह करए लागल।
२.द्वारपर ओ एकटा हाथी कीन कऽ रखबा देल आ चारि टा नोकर ओकर देखभाल ले राखि देलक।
३.ओ सभटा बैरक गाच्ह काटि कऽ हटा देलक।
४.ओ दू टा नोकर राखलक जे गाछ काटि कऽ जतऽ जतऽ राजा जाइत रहए ओतए-ओतए लऽ जाइत रहए।

एना किछु दिन ओ राजपाट चलेलक। एना करिते करिते राजपाट खतम भऽ रहल च्हलैक , कारण खर्चा बेसी भऽ गेलै आ आमदनी कम, सभ गाछ कटि गेलैक।
गामक एक बुजुर्ग सं ओ पुछलक जे हमर राजपाट किएक खतम भऽ रहल अछि। तं ओ बुजुर्ग ओकरा बुझेलक जे जाऊ आ तीन मूरी बला आदमी सं पुछू।
चारू तरफ राजा खोजलक मुदा तीन मूरी बला आदमी ओकरा नहि भेटलैक। फेर ओही आदमी सं पुछलक जझमरा तं तीन मूरी बला आदमी नहि भेटल।
बुजुर्ग कहलकै जे ७० बरख से ८० बरखक आदमी कें तीन मूरी बला कहल जाइत छैक कारण जे जखन ओ बैसै ये तं ओकर मूरी झुकि जाइ च्है आ घुटना ओपार उठि जाइ छैक आ से ओ तीन मूरी जकां भऽ जाइ छैक।
राजा एहेने एकटा मनुक्ख सं पुछलक।
“पिताजी मरए से पहिने की की बतेने रहथि”। ओ तीन मूरी बला मनुख पुछलक।
राजा कहलक।
“ओ बतेलथि-
१.फी कोरमे सीरा खाइले।
२.द्वारपर हाथी बन्हबा कऽ राखय ले। ३.वैर भाव नहीं राखए ले। ४.बाहर निकलैपर छाँवमे रहबा ले”।

“पहिलाक मतलब छी- एक पाव डेढ़का मांछ लऽ कऽ बनबा के खाउ ओकर सभ कौरमे सीरा भेटल।
दोसराक मतलब घूर लगा देबा लऽ जाहिसं द्वारपर हरदम १० गोटे बैसल रहत।
तेसर के मतलब झगड़ा-झांटि से दूर रहि दोस्ती मिलान सं रहए लेल।
चारिमक मतलब दू रुपैयाक छाता लऽ छाहमे चलब”। तीन मूरी बला मनुक्ख बतेलक।
एकरापर अमल केलापर ओकर राजपाट वापस आबए लगलैक।

9 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. ई लोक कथा ठीके फील्डवर्कपर आधारित बुझना जाइत अछि से बेसी रमनगर।

    ब्लॉगक चतुर्दिक भविष्यक कामना।

    जवाब देंहटाएं
  2. उमेश कुमार महतो "वियोगी" जी मैथिल आर मिथिला (मैथिली ब्लॉग) पर अपनेक आगमनसँ बहुत ख़ुशी मिलल ! उम्मीद अछि अपनेक रचना निरंतर पाठकगन के बिच प्रस्तुत होइत रहत, संगे अपनेक बहादुरगंजक लोककथा बहुत निक लागल अहिना धुरझार लिखैत रहू !

    जवाब देंहटाएं
  3. thike bad nik, aa preeti ji thike kahlanhi ee field work par aadharit bujhna jait achhi

    जवाब देंहटाएं
  4. बुजुर्ग कहलकै जे ७० बरख से ८० बरखक आदमी कें तीन मूरी बला कहल जाइत छैक कारण जे जखन ओ बैसै ये तं ओकर मूरी झुकि जाइ च्है आ घुटना ओपार उठि जाइ छैक आ से ओ तीन मूरी जकां भऽ जाइ छैक।

    bah

    जवाब देंहटाएं
  5. khoob nik lagal, ehina likhait rahoo aa lok jivan ke bisray nahi diyauk

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने