सम्बन्ध - श्यामल सुमन - जमशेदपुर

सम्बन्ध


साँच जिनगी मे बीतल जे गाबैत छी।

वेदना हम ह्रदय के सुनाबैत छी॥



कहू माताक आँचर मे की सुख भेटल।

चढ़ते कोरा जेना सब हमर दुःख मेटल।

आय ममता उपेक्षित कियै रति-दिन,

सोचि कोठी मे मुंह कय नुकाबैत छी।

साँच जिनगी मे बीतल जे गाबैत छी।

वेदना हम ह्रदय के सुनाबैत छी॥



खूब बचपन मे खेललहुं बहिन-भाय संग।

प्रेम साँ भीज जाय छल हरएक अंग-अंग।

कोना सम्बन्ध शोणित कय टूटल एखन,

एक दोसर के शोणित बहाबैत छी।

साँच जिनगी मे बीतल जे गाबैत छी।

वेदना हम ह्रदय के सुनाबैत छी॥



दूर अप्पन कियै अछि पड़ोसी लगीच।

कटत जिनगी सुमन के बगीचे के बीच।

बात घर घर के छी इ सोचब ध्यान साँ,

स्वयं दर्पण स्वयं के देखाबैत छी।

साँच जिनगी मे बीतल जे गाबैत छी।

वेदना हम ह्रदय के सुनाबैत छी॥




श्यामल सुमन, प्रशासनिक पदाधिकारी टाटा स्टील, जमशेदपुर - झारखण्ड,

8 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. चाचाजी अपनेक आगमन सs ब्लॉगक शान दुगुणित भो गेल ! ब्लॉग प्रेमी बंधूगन कें अपनेक आर निक निक रचना पढाई लेल मिल्तैन इ आशा अछि !

    जवाब देंहटाएं
  2. श्यामलजी, मैथिल आर मिथिलामे अहाँक आगमन एहि ब्लॉगकेँ आर सुवासित बना देलक। अहाँसँ आर ढेर रास रचनाक भविष्यमे सेहो आशा रहत।

    जवाब देंहटाएं
  3. साँच जिनगी मे बीतल जे गाबैत छी।

    वेदना हम ह्रदय के सुनाबैत छी॥

    bah
    दूर अप्पन कियै अछि पड़ोसी लगीच।

    कटत जिनगी सुमन के बगीचे के बीच।

    बात घर घर के छी इ सोचब ध्यान साँ,

    स्वयं दर्पण स्वयं के देखाबैत छी।

    जवाब देंहटाएं
  4. ee blog te din par din chandrama jeka badhal ja rahal achi, kichu aan blog me chandramak ghatanti dekhal ja rahal achi, muda etay mithila aar maithil blog me poornima sada rahat se vishvas achhi,

    जवाब देंहटाएं
  5. दूर अप्पन कियै अछि पड़ोसी लगीच।

    कटत जिनगी सुमन के बगीचे के बीच।

    बात घर घर के छी इ सोचब ध्यान साँ,

    स्वयं दर्पण स्वयं के देखाबैत छी।

    साँच जिनगी मे बीतल जे गाबैत छी।

    वेदना हम ह्रदय के सुनाबैत छी॥
    bad nik

    जवाब देंहटाएं
  6. utkriskt rachna sabhak bhadar achi ee site, parishramak parinam sarvada nik hoit achi, rang roop me seho utkrishta aayal acchi rachane jeka.

    जवाब देंहटाएं
  7. जितू जी, गजेन्द्र जी, मोहन जी, उमेश जी, अंशुमाला जी, ज्योति जी, पालन जी एवं राहुल जी,

    अपने सब केँ कोटिशः धन्यवाद। निरन्तर अहाँ सभक स्नेह भेटत एहि आशा केर संग

    सादर
    श्यामल सुमन
    09955373288
    मुश्किलों से भागने की अपनी फितरत है नहीं।
    कोशिशें गर दिल से हो तो जल उठेगी खुद शमां।।
    www.manoramsuman.blogspot.com

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने