बाल विवाह आओर दहेज प्रथा केर खिलाफ शुरू भेल अभियान

पटना। 03 अक्टूबर।[जितमोहन झा (जितू)] बिहार म' बाल विवाह आओर दहेज प्रथा केर खिलाफ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा कैल्हि सोम दिन एक बड़का अभियान शुरू कायल गेल। महात्मा गांधी केर 148 वीं जयंती समारोह केर दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नव निर्मित बापू सभाघर म' राज्यव्यापी अभियान शुरू केलनि। 


बाल विवाह आओर दहेज केर खिलाफ कड़ा कानून होयबाक बावजूद ई बिहार म' बहुत प्रचलित अछि। ख़ास करिके बिहार के ग्रामीण इलाका म' ई कुप्रथा बहुत बड़का स्तर पर पसरल अछि। किछु बरख पहिने धरि बिहार म' होमै बला कुल विवाह म' करीब 69 प्रतिशत बाल विवाह होयत छल, मुदा हालही म' भेल राष्ट्रीय परिवार स्वास्थ्य सर्वेक्षण-4 म' खुलासा भेल कि बेटी सभक शिक्षा पर जोर के कारण पछिला 10 बरख म' एहि आंकड़ा म' कमी आयल अछि। 



अपने क' बता दी कि दहेजक विरुद्ध कैको सामाजिक संगठन अभियान चला रहल अछि, जाहि म' मुख्य रूप स' 'दहेज मुक्त मिथिला' आओर 'दहेज मुक्त भारत' लोग सभक बीच पहुंच एहि कुप्रथा केर प्रति लोगसभके जागृत करैत अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा कैल्हि सोम दिन शुरू कायल गेल अभियान स' एहि संगठन सभ क' बल भेटल संगहि मुख्यमंत्री के अभियानक स्वागत करैत मिथिला समेत सगर बिहार म' कैल्हि हजारो गोटा दहेज नहि लेबाक शपथ लेलनि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने