11 बरखक एक बेटी पछिला 4 बरख स' अप्पन पिताक लेल करवाचौथक व्रत राखैत छथि

रायपुर। 11 अक्टूबर। करवाचौथ केर व्रत सुहागिन सभ अप्पन पति केर नमहर उम्र केर कामना करबाक लेल राखैत छथि। एहने नजारा रवि दिन पूरा देश भरी म' देखबाक लेल भेटल। ओतहि, एक नजारा एहि सभसँ हटी क' छल। जता एक शख्स केर नमहर उम्रक लेल हुनकर पत्नी के संगे संग  बेटी सेहो निर्जला उपवास राखली। 11 बरखक बेटी केर जिद छल कि ओ अप्पन पिता क' नमहर उम्र देबा चाहैत छथि। पूरा मामला किछु एहेन छल........
  • पुरानी बस्ती के रहे बला अमरेश झा कॉमर्शियल टैक्स डिपार्टमेंट म' काज करैत छथि। करवाचौथ के दिन हुनका घर म' दू गोटा निर्जला व्रत राखने छल।
  • एक परंपरा केर तहत हुनकर पत्नी आओर पिता के नमहर उम्रक लेल हुनकर बेटी आरबी सेहो व्रत राखने छल। अपने क' बता दी आरबी पछिला  4 बरख स' इ व्रत क' रहल छथि।
  • जखन आरबी 7 बरखक छली त' ओ देखली की हुनकर माँ करवाचौथ केर  व्रत राखने छथि, ओ देखली की माँ नहिये किछु खायत छथि नहिये पिबैत छथि।
  • आरबी अप्पन माँ पुछलि की ओ ऐना किएक करैत छथि। हुनकर माँ हुनका बुझेलनि की ई व्रत ओ हुनकर पापा के नमहर उम्रक लेल कामना करबाक लेल करैत छथि।
  • अगिला बरख आरबी सेहो जिद पर उतैर गेली। माँ-पिता हुनका खूब बुझेलनि, मुदा ओ अप्पन जिद पर अड़ल रहली।
  • आरबी अप्पन भाई स' सेहो पिताक नमहर उम्रक कामना लेल व्रत करे कहलनि। आरबी के मानब छल कि एक के बजाय यदि घर म' तीन गोटा व्रत राखत त' हुनकर पिता क' आओर बेसी नमहर उम्र भेटत।
  • आरबी के पिता अमरेश झा कहलनि कि लोग सभक घर बेटा जन्म लैत अछि त' बधाइयां बजबाओल जायत अछि। खुशि मनाओल जायत अछि। बेटी सभक जन्म पर उदासी पसैर जायत अछि। मुदा हम आरबी एहेन बेटीपाबि क' धन्य भ' गेलहुँ जे अप्पन माँ-पिता केर एतेक ख्याल करैत छथि।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ