केंद्र सरकार केर नीक पहल, पर्यटन पर्वक लेल बिहार स' बोधगया केर चयन

गया। 28 सितम्बर। पर्यटन क' बढ़ावा देबाक लेल पूरा देश म' होमै बला आयोजनक लेल बिहार स' बोधगया केर चयन भेल अछि। 06 अक्टूबर क' एहिठाम संस्कृति मंत्रालय द्वारा विभिन्न कार्यक्रमक आयोजन कायल जायत। केंद्र सरकार द्वारा 05 स' 25 अक्टूबर के बीच ‘पर्यटन पर्व’ मनेबाक निर्णय लेल गेल अछि। ऐहिक लेल देशक सभ राज्य सँ एक - एक पर्यटन स्थल केर चयन कार्यक्रमक लेल कायल गेल अछि।

केंद्र सरकार द्वारा आयोजन सँ संबंधित सूचना राज्य सरकार क' भेज देल गेल अछि। संगहि इयो सुझाव देल गेल अछि कि पर्यटक सभके आकर्षित करबाक लेल राज्य सरकार 05 स' 25 अक्टूबर के बीच अप्पन स्तर सँ सेहो विभिन्न पर्यटन स्थल सभ पर कार्यक्रम केर आयोजन क' सकैत अछि। केंद्र सरकार द्वारा कहल गेल अछि कि पर्यटन पर्व के आयोजन म' राज्य सरकार बढ़ी - चढ़ी क' हिस्सा लिअ। संगहि महत्वपूर्ण पर्यटन स्थल सभक व्यापक प्रचार-प्रसार कायल जाए। सुझाव देल गेल अछि कि टूर ऑपरेटर आओर पर्यटन के क्षेत्र म' साझीदार सभक संग बैठक करि हुनका  जागरूक कायल जाए, ताकि पर्यटक सभक संख्या बढ़ाओल जे सके। गया म' जता 6 अक्टूबर क' आयोजन होयत, ओतहि देशक दोसर राज्य सभक लेल अलग-अलग तिथि तय कायल गेल अछि।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ