मिथिलाक बेटी 'मैथिली ठाकुर' एक बेर फेरसँ 'राइजिंग स्टार' मे अप्पन आवाज से सभक दिल जीतती

मधुबनी। 01 फरवरी। कलर्स टीवी पर 4 फरवरी से शुरू होमै बला सिंगिंग रियालटी शो 'राईजिंग स्टार' मे एक बेर फेरसँ मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर अप्पन आवाज से सभक दिल जीतती। कलर्स टीवी पर सप्ताह मे 2 दिन शनि - रविक रात्रि के 9 बजे से शुरू होमै बला एहि सिंगिंग रियालटी शो के खासियत ई अछि कि ऐहिक जज मुख्य रूपसँ ऑडियन्स होयत छैथ।

ई सिंगिंग रियालटी शो आठ राउंड तक चलत, जाहिमे 60 प्रतिभागी भाग लेत। ऑडियन्स द्वारा कायल गेल वोटिंग ऑनलाइन होयत, जे की कलर्स टीवी चैनल के एंड्राइड अप्प के जरिये कायल जे सकत। ऐहिक लेल अपने के कलर्स टीवी के एंड्राइड एप्प क' डाउनलोड करि ओहिके अप्पन फेसबुक या ट्विटर आईडी से लिंक करबाक होयत। जाहिक बाद अपने आसानी से 'राईजिंग स्टार' के प्रतिभागि सभके वोट क' सकब।एहि शो मे जजक रूप मे शंकर महादेवन, मोनाली ठाकुर आर दिलजित दोसांज रहता।

मूल रूप से मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी (उड़ेन) के रहिवासी मैथिली ठाकुर क' प्रारंभिक संगीतक शिक्षा-दीक्षा हुनक दादा श्री बच्चा ठाकुर व पिता रमेश ठाकुर से भेटलैन्ह। ग्रामीण परिवेश मे पलल बढ़ल मैथिली वर्तमान मे द्वारिका, दिल्ली मे परिवारक संग रहैत बाल भवन इंटरनेशनल स्कुल, द्वारिका सँ पढ़ाई क' रहल छली। अपने के बता दी कि मैथिली ठाकुर एखन धरी संगीतक क्षेत्र मे कैको विशिष्ट पुरस्कार प्राप्त क' चुकल छली। ओ राष्ट्रीय स्तर के सिंगिंग शो 'इंडियन आइडियल जूनियर-2015', सारेगामापा सहित कैको सिंगिंग रियालटी शो मे अप्पन प्रतिभा देखा चुकल छली। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने