एहिबेर छात्रा सभक संग अश्लील डांस करै बला हुनकर वीडियो वायरल भ' गेलन्हि जाहिपर आपत्ति जतबैत लवगुरु मटुकनाथ क' पटना विश्वविद्यालय के वीसी वाईसी सिम्हाद्रि निलंबित क' देलन्हि अछि। अप्पन छात्रा जूली से बियाह करबाक बाद सेहो हुनका निलंबित कायल गेल छल, लेकिन फेर निलंबन वापस ल' लेल गेल छल।
पटना यूनिवर्सिटी के हिन्दी विभाग के एचओडी मटुकनाथ चौधरी लवगुरु के नाम से जानल जायत छैथ। ई लवगुरु छात्रा सभक संग अश्लील डांस केना छला जाहिक वीडियो वायरल भ' गेल छल आर लोग सभ हुनकर खूब मज़ाक उड़ेना छलैन्ह। अश्लील डांस के मामले मे मटुकनाथ पर वीसी द्वारा देल गेल आदेश क' नहि मानबाक आरोप सेहो अछि।
सोशल मीडिया मे मटुकनाथ आर रिटायर्ड शिक्षक डॉ. शंकर प्रसाद के छात्रा सभक संग डांस करै बला विडियो वायरल भेल छल। विडियो पिछ्ला साल दुर्गापूजा से पहिने वायरल भेल छल। एहि मामला मे विडियो केर जांच कराओल गेल। ऐहिक बाद वीसी मटुकनाथ पर कार्रवाई केलन्हि अछि।
अप्पन छात्रा जूली से प्रेम सम्बंध के चलते मटुकनाथ चौधरी चर्चा मे आयल छला। पटना विश्वविद्यालय 15 जुलाई, 2006 क' मटुकनाथ क' बीएन कॉलेज के हिंदी विभाग के रीडर पद से निलम्बित केना छल। बाद मे 20 जुलाई, 2009 क' सेवा से बर्खास्त क' देल गेलन्हि।
हुनका पर अप्पन कक्षा मे बाहरी लोग सभके बैसेबाक व अमर्यादित आचरण करबाक आरोप लगाओल गेल छल। ऐहिक 2 बरख बाद मटुकनाथ केर बर्खास्तगी क' रद्द करि हुनका वापस नौकरी पर राखल गेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।