फेंड्स ऑफ़ आनंद केर तत्वावधान मे जेल प्रशासन केर खिलाफ निकालल जायत मशाल जुलूस

सहरसा। 31 जनवरी। आज सांझ 5 बजे छात्र फेंड्स ऑफ़ आनंद केर तत्वावधान मे सहरसा जेल प्रशासन केर खिलाफ मशाल जुलूस निकालल जायत।  अपने के बता दी कि पूर्व सांसद आनंद मोहन सहरसा जेल मे बंद छैथ आर सहरसा जेल प्रशासन केर रवैया बहुत खराब अछि, ओहिक विरोध मे आय मशाल जुलूस केर आयोजन फेंड्स ऑफ़ आनंद के छात्र जिला अध्यक्ष बाबुल मिश्रा केर नेतृत्व मे निकालल जायत। 

मसाल जुलूस लोहिया चौक से होयत स्टेशन चौक, महावीर चौक होयत थाना चौक फेर लोहिया चौक पर पहुँच समाप्त होयत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने