दिल्ली विश्वविद्यालय केर करतूत : बगैर आंसर जांचने किशोर राय क' करैत रहल फेल

सहरसा। 23 जनवरी। सहरसा जिला के बैरा गाम निवासी किशोर कुमार राय आय से पांच बरख पहिने यानी 2012 मे पढ़बाक लेल दिल्ली गेला।  दिल्ली विश्वविद्यालय के राम लाल आनंद कॉलेज मे हिन्दी पत्रकारिता केर  पढ़ाई लेल ओ दाखिला लेलन्हि। तीन बरखक कोर्स लेल एक-एक बरख करि हुनकर पांच बरख गुजैर गेलन्हि। हर बरख किशोर क' 60 फीसदी से बेसी अंक सेहो भेटलन्हि। मुदा अफसोस कि पांचवां बरख घरी सेहो हुनकर कोर्स खत्म नहि भेलन्हि। वजह सिर्फ एतबा कि अपनहुँ तरस खायब दिल्ली विश्वविद्यालय पर। 


हर बरख दोसर विषय सभमे 60 फीसदी से बेसी अंक आने बला किशोर कुमार राय क' दिल्ली विश्वविद्यालय पहिले बरख से अंग्रेजीक पेपर मे हुनका चैर बेर फेल क' देल गेलन्हि। हारी के किशोर जखन RTI दायर करि अप्पन आन्सर शीट देखला तेँ पता छलैन्ह कि जांच करनिहार पहिने ते  6 सवाल सभक जांचे नहि कएलन्हि, आर जतबा जांच कएलन्हि ओहिक योग मे 15 घटा देलन्हि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने