आगिक चपेट मे अएला से 2 बच्चा संग महिला केर मौत

मधेपुरा। 18 जनवरी। मधेपुरा जिला के आलमनगर मे कैल्ह मंगलवार भोर आगजनी केर घटना मे माँ ​समेत दुई बच्चाक झरकी के मौत भ' गेलन्हि। उदाकिशुनगंज के बुधमा ओपी क्षेत्र के शाहजादपुर पंचायतक लुखीटोला वार्ड 11 मे कैल्ह मंगलवार प्राते 4 बजे के करीब विभीषण मंडल के टाटीक घर मे आईग लागि गेल छल। ओहि समय घर मे कियो पुरूख मौजूद नहि छला। ग्रामीण सभ आगि पर कहुना काबू पेलन्हि मुदा घर के भीतर सुतल तीनो के बचेबा मे सभ असफल रहला। 

एहि घटना मे विभीषण मंडल केर पत्नी मन्नी देवी (35), पुत्र हीरा कुमार (07) आर पुत्री सुनिता कुमारी (04) के जिंदा जलि के मौत भ' गेलन्हि। ग्रामीण सभ बतौलन्हि कि मृतक महिला केर पति विभीषण मंडल 2 मास  पहिने मजदूरी करबाक लेल गुजरात गेल छलैन्ह आर सास ससुर 10 जनवरी के सागर तीर्थ पर गेल छलैन्ह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने