नई दिल्ली। 28 जनवरी। नोटबंदी के बाद से हर दिन कैशलेस ट्रांजेक्सन लेल नव - नव विकल्प उपलब्ध करेबाक कोशिश कायल जे रहल अछि। एहिमे प्रमुख अछि आधार कार्ड। एक दिस जते ‘आधार पे’ से डिजिटल पेमेंट दिस यूजर फ्रेंडली बनेबाक कोशिश कायल जे रहल अछि ओतहि आब एटीएम मे सेहो बायोमेट्रिक प्रणाली केर उपयोग करि एहिके एटीएम पिन या पासवर्ड से मुक्त करबाक तैयारी चैल रहल अछि।
प्राप्त सुचना के मुताबिक़ अगला माह से देश के किछ एटीएम मे बायोमेट्रिक प्रणाली केर उपयोग शुरू होमै बला अछि। जाहिक बाद से एटीएम से टाका निकालबाक लेल अपने के पासवर्ड आर पिन केर जरूरत नहि पड़त। एटीएम से टाका निकालबाक लेल डेबिट कार्ड के प्रयोग तें होयत मुदा पासवर्ड के जगह अंगूठा अपनेक पहचान होयत।
बायोमीट्रिक उपकरण लगलासे एटीएम से नगद निकासी के दौरान धोखाधड़ी केर शिकायत से बचल जे सकैत अछि। एटीएम मे खाताधारक सभक पासवर्ड या पिन चोरी होयबाक मामला सामना आबैत रहैत अछि। आधार कार्ड बनबैत घरी आदमी के हाथक पांचो आंगूरक निशान लेल जायत अछि। एटीएम से टाका निकालबा मे एहिमे सँ कुनु एक आंगुर केर उपयोग कायल जे सकैछ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।