समस्तीपुर। 06 दिसम्बर। समस्तीपुर रेलमंडल म' ट्रेन सभ पर आतंकी हमला केर आशंका जताओल जे रहल अछि। जाहि कारण सँ मंडल सुरक्षा आयुक्त हाई अलर्ट जारी केना अछि। इंटेलिजेंस विभाग आय बाबरी विध्वंस केँ बरसीक कारण सँ ट्रेन व स्टेशन सभ पर आतंकी कार्रवाई केर आशंका जतौलन्हि।
अपने क' बता दी कि हालही मेँ मुजफ्फरपुर सँ पोरबंदर तक चलै बला पोरबंदर एक्सप्रेस (बापूधाम एक्सप्रेस) क' बम सँ उड़ेबाक धमकी भेटल छल। धमकी देबै बला फोन पर खुद क' पाकिस्तान केँ आतंकी बतेना छल। ओहिक मद्देनजर रेलवे सुरक्षा बल केँ महानिदेशक ट्रेन केँ रूट पर चौकसी रखबाक निर्देश देलन्हि अछि।
आतंकी कार्रवाई केर आशंका क' देखैत समस्तीपुर मंडल म' हर जगह ट्रेन व स्टेशन सभ पर बढाओल गेल अछि। ऐहिक अलावा रेल ट्रैक व पुल -पुलिया केर सेहो गहन जांच कायल जे रहल अछि। एहि बीच पुलिस ओहि कथित पाकिस्तानी आतंकी केर पता लगेबा म' जुटल अछि जे पोरबंदर एक्सप्रेस क' उड़ेबाक धमकी देना छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।