सहरसा : महिषी प्रखंड केँ 'मध्य विद्यालय सिरवार' केर विद्यार्थी सरकार दिस सँ भेटै बला सभ सुविधा सँ वंचित

सहरसा। 07 दिसम्बर। जते एक दिस बिहार सरकार शिक्षा क्षेत्र म' सुधार आनबाक लेल पैन जोका पाई बहा रहल अछि, ओतहि ऐहिक लाभ लाभार्थी केँ नहि भेटैत छैन्ह। बिहार सरकार द्वारा चलाओल गेल योजना केर अन्तर्गत विद्यार्थी सभ क' साइकिल, पोसाक, छात्रवृति, मध्यान्ह भोजन आदि केँ लाभ भेटैत छैन्ह। मुदा महिषी प्रखंड केँ ग्राम पंचायत सिरवार -बीरबारक 'मध्य विद्यालय सिरवार' केँ सभ विद्यार्थी एहि सभ सुविधा सँ वंचित छैथ। 

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ मध्य विद्यालय सिरवार केँ सभ विद्यार्थी क' पिछ्ला 4 बरख सँ सरकार दिस सँ भेटै बला साइकिल लेल राशि, पोसाक लेल राशि , छात्रवृति, मध्यान्ह भोजन कुनु भी सुविधा नहीं भेट रहल छैन्ह। एहि बाबत जखन ग्रामवासी सभ विद्यालय केर प्रधानाध्यापक बद्री नारायण यादव सँ पुछलन्हि तेँ हुनका सभ केँ कहल गेल "सरकार दिस सँ भेटै बला सभ सुविधा क' सरकार बंद क' देना अछि"

ग्रामवासी सभक कहब छैन्ह जे पिछ्ला 4 बरख सँ विद्यालय म' बच्चा सभ क' भेटै बाला सभ तरहक राशि केर घोटाला भेल अछि जाहिक खुलासा प्रशासन यदि जांच करबे तेँ सभक समक्ष होयत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ