हमरा सब के इ सुविधा कोना भेटल एही के जनि क' अचरज होयत। इ सुविधा दियाब वाला खगड़िया के बेटा आनंद बजाज छैथ । आनंद एही काज तखन कैला जखन की ओ यस बैंक में चीफ इनोवेशन ऑफिसर के पद पर कार्यरत छलाह। ताइवान के कंपनी ताईसीस कs मदद सs एही टेक्नोलॉजी के भारत में आनल गेल। नेशनल पेमेंट कॉरपोरेशन ऑफ इंडिया आ यस बैंक के इंटीग्रेशन करवायल गेल आर नाबार्ड कs मदद सs सेंट्रल कॉपरेटिव बैंक तक पहुंचायल गेल ।
ओहि के परिणाम अछि कि यस बैंक आई सेंट्रल कॉपरेटिव बैंक के संग मिलक किसान के स्मार्ट पेमेंट कs सुविधा द रहल अछि ।आनंद एक उदाहरण छैथ हुनका सभ के लेल जिनकर मानब अछि कि प्रतिभा अमेरिका में जन्म लेत अछि आ हम भारतीय केवल ओकर इस्तेमाल करैत छी। आनंद चंदा कोचर एहन हस्ती के जूनियर के रूप काज केने छैथ। आर बैकिंग प्रणाली में एखन तक पांच पेटेंट अपन नाम करवा चुकल छैथ।
आनंद कहैत छैथ कि सपना अछि कि आई के दौर में टेक्नोलॉजी दूध बेचवाला आ खेती करेवाला तक पहुंचे। जाहि सs हुनकर उत्पादनक' वाजिब कीमत भेटैं। आर दोसर तरफ भारत जकर आबादी करीब सवा अरब अछि टेक्नोलॉजी रोजगार के अवसर के कम सेहो कs रहल अछि। ओहि में टेक्नोलॉजी के मदद सs फुटकर विक्रेता अपन रोजगार बचा सकैत छैथ आ ओकरा बढ़ा सकैत छैथ। आबवाला समय में जखन टेक्नोलॉजी देशक' सभ गांव आ शहर में पहुँचत तs हमर देश के कतेको शहर बैंगलुरू आ गुरूग्राम बानी जैत।
आनंद कs एही उपलब्धि पर हुनक पिता शहर के जानल मानल व्यवसायी बजरंग लाल बजाज गर्व महसूस करैत छैथ। आनंद अपन तीन भाई बहिन में सबस छोट छैथ। आनंद क' पढ़ाई बिड़ला पब्लिक स्कूल पिलानी, राजस्थान सs शुरू भेल 12वीं तक के पढाई ओहिठाम सs कैला। हंस राज कॉलेज सs कॉमर्स में ग्रेजुएशन कैला। बंबई सs आनंद सीए के पढ़ाई कैला। आईसीआईसीआई बैंक सs नौकरी के शुरुवात कैला। ताहि के बाद यस बैंक में काज कैला।
फिलहाल आनंद कs टीम नियर बाई टेक्नोलॉजी के नाम सs अपन कंपनी बना काज कs रहल अछि। हुनकर टीमक' बस एकैह उद्देश्य अछि कि भारत के हर जवान आ हर किसान तक टेक्नोलॉजी सरलता के साथ पहुंचे। आर भारत के विकास में हुनकर भूमिका निर्णायक होयन। आनंद आई खगड़िया के युवा आइकन छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।